Tuesday, July 19, 2011

माओवादीक अध्यक्ष दाहाल आ कांग्रेस सभापति कोइरालावीच पाँच बुँदे सहमति

साउन ३ । एकीकृत माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल आ कांग्रेस सभापति सुशील कोइरालावीच पाँच बुँदे सहमति कार्यान्वयन क शान्ति आ संविधानक बिषयके निश्कर्षमे पहुँचाबयके सहमति भेल अछि ।


 कांग्रेस सभापति सुशील कोइरालाके महाराजगञ्जस्थित निवासमे आइ भेल भेटबार्तामे पाँच बुँदे सहमति कार्यान्वयन करय एकीकृत माओवादी आ कांग्रेसवीच आन्तरिक परार्मशके तिव्र बनाबयके सहमति भेल अछि । दु पार्टीवीच शान्ति आ संविधान तथा पाँच बुँदे सहमति कार्यान्वयनमे सहमति हाएत त अन्य दलसंग सेहो परार्मश क क आगु बढयके सहमति भेल अछि ।

 भेटबार्तामे सहभागी कांग्रेस उपसभापति रामचन्द्र पौडेल सभापति कोइराला पाँच बुँदे सहमति कार्यान्वयनमे माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालके आग्रह केने जानकारी देलनि । ओ ५ बँदे सहमति कार्यान्वयन हाएत त शान्ति आ संविधानके बिषय निष्कर्षमे पहुँचाबय सहज हाएत सभापति कोइराला बतौलनि ।

 अहिना, भेटमे सभापति कोइराला माओवादी भितरके अन्तरविरोधक कारण शान्ति आ संविधानके असर पहुँचल कहैत राजनीतिक निकासक लेल गम्भीर होबय अध्यक्ष दाहालसंग आग्रह केलनि अछि । जवाफमे अध्यक्ष दाहाल जल्दिए पार्टी भितरके आन्तरीक बिवाद समाधान करय अपने लागब बतौने उपसभापति पौडेल जानकारी करौलनि ।

 अध्यक्ष दाहाल आ सभापति कोइरालावीच सरकारक कामकारबाही, माओवादी मन्त्रीसब हेरफेर करय लागल बिषयमे समेत बिमर्श भेल अछि । भेटमे माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल, कांग्रेस सभपाति सुशील कोइराला, उपसभापति रामचन्द्र पौडेल आ महामन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौलाके सहभागीता रहल छल । माओवादी उपाध्यक्ष मोहन बैद्य आ डाक्टर बावुराम भट्टराईके आमन्त्रण करितो भेटमे अनुपस्थित छलथि । 

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन