Friday, August 05, 2011

मुख्य तीन दलक बैसार निष्कर्षहीन


२० साउन, काठमाडौँ । राजनीतिक संकट समाधानक प्रयासमे आइ भिन्सर बैसल मुख्य तीन दलक बैसार बिना कोनो निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।

सिंहदरवारस्थित शान्ति मन्त्रालयमे भिन्सर ९ बजेसँ जारी बैसारमे शान्तिप्रक्रिया आ संविधान लेखन तथा पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन आ राष्ट्रिय सरकार गठनक विषयमे प्याकेजमे सहमति जुटाबयके विषयमे बिमर्श भेल कांग्रेस उपसभापति रामचन्द्र पोडेल बैसारक बाद संवाददातासबके जानकारी देलनि ।

बैसारसँ सेना समायोजनके बारेमे विज्ञसबसँग पराशर्म करयके निर्णय केने पौडेल बतौलनि । आजुक बैसारमे सेहो प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल २८ साउनधरिमे शान्तिप्रक्रियामे कोनो ठोस प्रगति नहि हाएत त राजीनामा देबयके अभिव्यक्ति दोहरऔने बताओलगेल अछि ।  । उपसभापति पौडेले अपनेसब २८ गते प्रधानमन्त्रीके राजीनामा आबयके विश्वस्त रहल बतौलनि अछि। बैसारमे माओवादी, कांग्रेस आ एमालेक शीर्षस्त नेता सहभागी छलथि । बैसारमे काल्हि प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आगु रखने सहमतिके खाकाके विषयमे बिमर्श होइतो सहमति होबय नहि सकल ।

प्रधानमन्त्री खनाल तीन दल चक्रिय प्रणालीमे ६-६ महिना सरकारक नेतृत्व करयके प्रस्ताव रखलनि अछि । खनालक प्रस्तावमे आगामी अगहन १४ गतेधरि पहिल सरकार नयाँ संविधान जारी करयके, दोसर सरकार राज्य पुनःसंरचना आ लोकतान्त्रिक गणतन्त्रके लेल आवश्यक परयबला कानुन बनाबयके तथा तेसर सरकार ६ सँ ९ महिना भितरमे नयाँ जनादेशके लेल आम चुनाव कराबयके उल्लेख अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन