Friday, August 05, 2011

सिफारिसमे परल म्यानपावर उपर कारवाही नहि भेल


१९ साउन, काठमाडौं । वैदेशिक रोजगार ऐन विपरीत काम करयबला म्यानपावर कम्पनीसबहक लाम्बा सूची सरकारके सम्बन्धित निकायमे आएल वर्ष दिन बितलाक बादो कोनो म्यानपावर कम्पनीके कारवाही होबय नहि सकल अछि ।

विदेशस्थित नेपाली नियोगसब कतार, इजरायल, कुवेत, मलेसिया, बहराइनसँ सम्झौताअनुसार काम नहि पौने, ठकि क पठौने कारण समस्यामे परल आ असमन्जसमे  परल मजदुरके उजुरीके आधारमे कारोबार रोक्का क आवश्यक कारबाही करय वैदेशिक रोजगार विभाग पत्राचार केने छल । विभागक अनुसार कतारसँ ४७, कुवेतसँ ३, मलेसियासँ २, इजरायलसँ ६ आ बहराइनसँ किछ म्यानपावर कम्पनीके कारबाही करय पत्राचार भेल अछि । मुदा कारवाही सिफारिस कएलगेल म्यानपावरके कारवाही नहि केलासँ ओकरसबहक ठकयके धन्दा जारी अछि त एकटा म्यानपावरके त सरकार उत्कृष्ट रहल कहैत पुरस्कृत समेत केने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन