Friday, August 05, 2011

शान्ति प्रक्रियाके भविश्यप्रति अमेरिकाके चाँखि


२० साउन, काठमाडौं । अमेरिका नेपालके शान्ति प्रक्रियाके भविश्यप्रति चाँखि व्यक्त केलक अछि ।

दलसबबीच पाँचबुँदे भेल सहमति अनुसार शान्ति प्रक्रिया आगु बढय नहि सकिरहल समय अमेरिकी राजदूत स्कट एच डेलिसी आइ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँ भेट क शान्ति प्रक्रियाके भविश्यप्रति चाँखि रखलनि अछि ।

सिंहदरवारमे भेल भेटमे राजदूत डेलिसी शान्ति प्रक्रियाके कि हाएत कहि जिज्ञासा रखने प्रधानमन्त्रीक विदेश मामिला सल्लाहकार मिलन तुलाधर जानकारी देलनि । नेपालक पछिला राजनीतिक परिस्थितिबारे बिमर्श भेल अछिओ कहलनि जे-राजदूत शान्ति प्रक्रियाके कि हाएत कहि चाँखि रखने छलथि  

राजदूत डेलिसी शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे अबेर  भ रहल समय राजीनामा देबयके प्रधानमन्त्री खनालके घोषणाबारे सेहो चाँखि रखने छलथि ।

जवाफमे प्रधानमन्त्री खनाल माओवादी आ दलसबबीच जारी बिमर्श सकारात्मक रहल कहैत निराश होबयके अवस्था नहि रहल बतौलनि अछि । ओ शान्ति प्रक्रियामे ठोस प्रगति नहि हाएत त अपने २८ गतेभितर राजीनामा देबयके सेहो दोहरौने विदेश मामिला सल्लाहकार तुलाधर जानकारी देलनि ।

राजदूत डेलिसी नेपालक शान्ति प्रक्रियाबारे विदेशमन्त्री हिलारी क्लिन्टनके बि्रफिङ करय काल्हि न्यूयोर्क जाँ रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन