Friday, August 05, 2011

माओवादी नेतृत्वक सरकार मान्यः शेखर


२० साउन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य डा. शेखर कोइराला अपन पार्टी माओवादी नेतृत्वमे राष्ट्रिय सहमतिके सरकार गठनक लेल सकारात्मक रहल बतौलनि अछि ।

मुदा, ओईके लेल शान्तिप्रक्रियामे केने सहमति आ प्रतिबद्धतासभके पालनामे माओवादीके प्रतिबद्ध भ लागय परत कोइरालाके कहब छलनि । नोना कोइराला स्मृति प्रतिष्ठानके तेसर साधारणसभामे आई बजैत कोइराला माओवादीक व्यवहारसँ शान्तिप्रक्रिया आ संधिवान निर्माणमे कारी ग्रहण लागल आरोप लगौलनि । माओवादीके आन्तरिक झँझटमे फँसलाक कारण सेहो शान्तिप्रक्रिया अपेक्षित गति लेबय नहि सकल कोइरालाके कहब छलनि । पार्टी विवाद समाधान क राष्ट्रिय सहमतिके वातावरण बनाबय अगुवाई करय ओ माओवादीके सुझाव देलनि ।

कोइराला दलसभ गम्भीर नहि हाएत त देश राजनीतिक दुर्घटनाके संघारमे पहुँचल कहैत ओईसँ जोगाबय सबके मिल क आगु बढय परत बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन