Monday, August 08, 2011

एक गोटेके आई गोली मारिकऽ हत्या


२३ साउन जनकपुरधाम । जनकपुर वाड न १२ कुवामे एक गोटेके आई गोली मारिकऽ हत्या कएलगेल अछि ।

वाड न १२ कुवामे माथवर मुखिया जनकपुर आबयलेल अपन घरसँ निकलैत काल हुनका हुनके घरक आगु सर्लाही घर रहल २२ बर्षक मुकेश पँडित गोली मारिक भागल छल ।

मोटरसाइकल पऽ चढैत काल  मुखियाके गोली मारिकऽ भागिरहल पँडितके पकडयलेल खियारऽके क्रममे मुखियाक चचेरा भाई प्रगास मुखिया उपर सेहो पँडित गोली चलौने छल ।

छातीमे गोली लागि घाईल भेल माथवर मुखियाके इलाजक लेल जनकपुर अँचल अस्पताल लबैत काल बाटेमे मृत्यु पुलिस जनौलक अछि ।

एम्हर पुलिस गोली चलौनिहार पँडितके गिरफ्तार कऽ अनुसन्धान आगु बढौने अछि ।
 प्रहरी निरिक्षक हरि खतिवडाके अनुसार घटनास्थलसँ १ थान नलकटुवा पैस्तोल १ टा खोका आ ओईके किछ दुरीपर एकटा आओर दोसर खोका भेटल अछि । 

पुलिस हत्याक कारण सहितक थप अनुसन्धानमे जुटल अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।

जनकपुर नगर क्षेत्रमे बिकृति फैलाबयबला रेष्टुरेन्ट तथा डान्स वार सबके आईसँ बन्द कराओल गेल अछि ।
जनकपुरक जिरोमाईल क्षेत्रमे खुजल रेष्टुरेन्ट तथा डान्स वार सबसँ बिभिन्न किसिमके बिकृति फैलल आ ओतय रेष्टुरेन्ट तथा डान्स वारके आडमे यौन धन्दा सेहो चलिरहल कहैत जनकपुरक स्थानिय क्लब बिभिन्न राजनितिक दल पुलिस प्रशासन आ नागरिक समाजक सक्रियतामे आइसँ बन्द कराओलगेल अछि ।
अहिसँ आगु आई भिन्सर स्थानिय क्लब नागरिक समाज प्रशासन तथा बिभिन्न राजनितीक दलक बैसल सर्बपक्षिय बैसारसँ एहन निर्णय कएलगेल छल । बैसारमे धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी बिरेन्द्र यादव सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी सहितक सेहो उपस्थिति छल ।

स्थानिय शिव युवा कमिटीक अगुवाईमे रेष्टुरेन्ट तथा डान्स वार सब बन्द कराओल गेल कमिटीक अध्यक्ष बिनय ठाकुर बतौलनि अछि ।

रेष्टुरेन्ट तथा डान्स वार सब बन्द कराबयमे पुलिस प्रशासन मौखिक रुपसँ समर्थन करितो लिखित रुपसँ प्रतिबद्धता नहि जनौने बैसारमे सहभागी एक गोटे जानकारी देलनि अछि ।

एम्हर रेष्टुरेन्ट तथा डान्स वारक सँचालक सब अपनाके रेष्टुरेन्ट खोलयके इजाजत पत्र रहल दाबा करितो ओ इजाजत पत्रमे केहन किसिमक प्राबधान रहल बिषयमे अनुसन्धान करय आबश्यक रहल उपर सेहो नागरिक समाज जोड देलक अछि ।

अहिसँ आगु सहो ओ क्षेत्रक रेष्टुरेन्ट तथा डान्स वार सबके बन्द कराबयके प्रयास होईतो पुर्ण रुपमे बन्द होबय नहि सकल छल । आब देखयके अछि जे इ प्रयास कतेक सफल होईत अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन