Tuesday, August 09, 2011

यूथफोसद्वारा दु सवारी आ एक दोकानमे तोडफोड, २२ पक्राउ


साउन २४ बिराटनगर । यूथ फोर्सक कार्यकर्ता बन्दमे  सवारी चलौने कहैत २ टा गाडीमे तोडफोड केलक अछि त एक होटलमे समेत क्षती पहुँचौलक अछि । तोडफोड बढ्य लगलाबाद स्थितिके नियन्त्रणमे लेबय पुलिस यूथ फोर्स मोरङके अध्यक्ष रविन थापा सहित २२ गोटेके नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

पत्रकार खिलानाथ ढकाल उपरके आक्रमणके मुख्य योजनाकार युथफोर्स मोरङके उप संयोजक पर्शुराम बस्नेत विरुद्ध परल उजुरी फिर्ता होबयके माँग करैत युवासंघ मोरंङ आइ विराटनगर बन्दक आव्ह्रान केने अछि ।

बन्दक क्रममे युथ फार्सक कार्यकर्ता भिन्सर विराटनगर ४ कन्यामार्ग लग बेमारी लऽ कोशी अंचल अस्पताल जा रहल को १ च ४५३० नम्बरक मारुती भ्यानमे तोडफोड केलक अछि । ओसब लगेके थापा होटलके सोकेस सेहो फोरफार केलक अछि ।

महेन्द्र चौकमे ओसब वि आर ११ ५६०९ नम्बरक भारतीय बोलेरो जीपके सेहो शिशा फोरि कऽ चाबी छिनने छल । नीजि सवारी तोडफोड आ चाबी छिनय लगलाबाद स्थितिके अराजक होबयसँ रवकय बन्द कर्ताके गिरफ्तार कएलगेल पुलिस जनौलक अछि । बन्दक कारण शैक्षिक संस्था, बजार दोकानसब ठप्प रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन