Saturday, August 27, 2011

कांग्रेसद्वारा ११ बुँदे अवधारणा सार्वजनिक


१० भादव, काठमाडौँ । सरकारक नेतृत्वमे दाबी प्रस्तुत केने नेपाली कांग्रेस आइ शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माण सहितक विषयमे ११ बुँदे अवधारणा सार्वजनिक केलक अछि ।

सिंहदरबारस्थित संसदीय दलक कार्यालयमे पत्रकार सम्मेलन कऽ कांग्रेस अवधारणा सार्वजनिक केलक अछि  । कांग्रेस अवधारणामे शान्ति आ संविधान लेखन, दण्डहीनताके अन्त्य आ विधिके शासन सहितक विषयके प्रखुमता देल गेल अछि ।

नेपाली कांग्रेसक नेतृत्वमे सरकार बनत तऽ सरकारक मुख्य प्राथमिकतासब शीर्षक देलगेल अवधारणाके पहिल नम्बर बुँदामे संवैधानिक व्यवस्था, विस्तृत शान्ति सम्झौता आ सेना तथा हतियार अनुमगन सहित विगतमे भेल सम्झौता आ सहमतिके कार्यन्वयन सरकारक मुख्य प्राथमिकता हाएत उल्लेख अछि । अहिना विगतमे1 भेल सहमतिके आधारमे कोनो अलगे अस्तित्व नहि रहय जका माओवादी लडाकूके व्यक्तिगत आधारमे समायोजन करयके आ ओइके लेल सत्तासाझेदार दलसबबीच संख्या, मोडालिटी, दर्जा मिलान तथा पुनस्थापनाबारे साझा सहमति कायम कऽ माओवादीसँग वार्ता करयके अवधारणामे उल्ल्ख अछि ।

संविधानसभासँ नयाँ संविधान जारी करयके विकल्प नहि भेलमे जोड दैत सरकार थपल समयमे संविधान जारी करय कोशिश करयके प्रतिबद्धता सेहो कांग्रेस जनौलक अछि । अहिना विगतमे भेल सहमतिअनुसार गठन करय बाँकी आयोगसबके गठन करयके सेहो अवधारणामे उल्लेख अछि । कांग्रेसके अवधारणामे भ्रष्टाचार आ राजश्व चुहावट जेहन आर्थिक अपराधके कडाइके साथ नियन्त्रण कएल जाएत सेहो जनाओलगेल अछि ।

माओवादी शान्ति, संविधान आ सरकार गठनक लेल प्रतिबद्धता आगु लबिते एमाले आ मधेसी मोर्चा स्पष्ट धारणा मँगलाबाद कांग्रेस अवधारणा सार्वजनिक केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन