Saturday, August 27, 2011

माओवादी नेताके सुरक्षार्थमे खटल लडाकु शिविर घुरल


काठमाडौ, भादव १० । माओवादी नेतासँग बाँकी रहल लडाकुसबके शिविर पठाओलगेल अछि । आइ गंगबु स्थित बाँनियाटारमे माओवादी उपाध्यक्ष मोहन बैद्य अपन निवासमे एक कार्यक्रमबीच लडाकुके बिदाई केलनि अछि ।

शान्ति आ संविधानके निष्कर्षमे पहुँचाबय लेल लडाकु फिर्ता करयके कार्य उल्लेखनीय भेल उपाध्यक्ष बैद्य बतौलनि । ओ हालधरि अपनासबहक सुरक्षार्थमे खटल लडाकुसबके धन्यवाद सेहो देलनि ।  

बैद्य, देव गुरुङ, सीपी गजुरेल, नेत्र विक्रम चन्दसँग रहल ११ गोटे लडाकु आ हतियार शिविरमे पठाओलगेल अछि । गुरुङ, गजुरेल सहितक  माओवादी नेतासबके उपस्थितिमे बिदाई कएलगेल अछि । आब हुनकासबके नेपाल प्रहरी सुरक्षा देत ।

अहिसँ आगु माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल, उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई सहितकसँग रहल लडाकु आ हतियार शिविर घुरि चुकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन