भारत, भादव २४ । प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह आतंकवाद आ वामपंथी चरमपंथ देशके लेल सबस पैघ समस्या रहल बतौलनि अछि ।
आइ दिल्लीमें राष्ट्रीय एकता परिषदके १५ हम् बैसारके संबोधित करैत मनमोहन सिंह आतंकवाद सँ लडय लेल देशके गुप्त प्रणालीके मज़बूत बनाबयके आवश्यकता पर जोड देलनि । ओ कहलनि जे जांच एजेंसीके आओर मजबुत बनाबयके आबश्यक्ता अछि ।
प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह आतंकवाद सँ लड़यमें किछ पड़ोसी देश बहुत सहयोग केने कहैत आतंकवादी आ नक्सलवादी परास्त करय लेल चौकन्ना रहनाइ आ सँचारके आदान प्रदान होनाइ आबश्यक रहल बतौलनि ।
No comments:
Post a Comment