Thursday, September 29, 2011

नागरिक सुरक्षा दिवस २०६८


१२ आसिन, जनकपुरधाम । आइ पहिल नागरिक सुरक्षा दिवस २०६८, देशभरि विभिन्न कार्यक्रम क इ दिवस मनाओल जा रहल अछि ।

दिवसक अवसरमे राजधानी काठमाडौ सहितक विभिन्न क्षेत्रीय तथा जिल्ला स्तरमे कार्यक्रमके आयोजना कएल गेल अछि । नागरिक सुरक्षा, सरोकारके विषयमे विद्यमान पूर्वाधार तथा रणनीति आ सचेतनाके बारेमे जानकारी कराबयके उद्देश्यसँ नेपाल सरकार अहि वर्षसँ नागरिक सुरक्षा दिवस मनाबय सुरु केलक अछि । नागरिकके केना क सुरक्षा देल जाए बिषयमे बिमर्श कक दिवस सफल करय गृहमन्त्रालय जिल्ला तथा क्षेत्रीय प्रमुखसबके परिपत्र जारी केलक अछि । 

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन