Thursday, September 29, 2011

पेन्टागनमे विस्फोटक पदार्थसँ भरल जहाज खसाबयके षड्यन्त्रकार गिरफतार


१२ आसिन, एजेन्सी । बिस्फोटक पदार्थसँ भरल विमान पेन्टागन आ राजधानी वाशिङ्टन डीसीमे खसाबयके षड्यन्त्रकारीे एक गोट योजनाकारके गिरफतार कएल गेल अमेरिकी रक्षा मन्त्रालय जनौलक अछि ।

रिमोटसँ सँचालित बिस्फोटक पदार्थ पेन्टागनमे आ वाशिङ्टनमे खसाबयबला योजनाक योजनाकार रिज्वान फिरदासके एफ बी आई बोस्टनसँ गिरफतार केने अमेरिकी रक्षामन्त्रालय जनौलक अछि । अपने अलकायदाके सदस्य रहल कहैत एजेन्ट फिरदाससँगके सम्बन्ध बढौने छल ।

वास्तविकता पत्ता लगाबय एजेन्ट रिजवानके सी४ नामक विस्फोटक पदार्थके सँगे एक रिमोट सञ्चालित जहाज सेहो उपलब्ध करौने छल । अधिकारीसबहक अनुसार फिरदास उपर लागल आरोप पुष्टि हाएत त कम्तिमे १५ वर्ष जेल सजाय होबय सकत । अमेरिकी रक्षामन्त्रालय पेन्टागनमे ११ सेप्टेम्बर २००१ मे अपहरणकारी एकटा जहाज पेन्टागनमे ल जा क ठोकरौने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन