Thursday, September 29, 2011

कर्मचारी नियुक्ति कएल जाएत स्वास्थ्यमन्त्री महतोके कहब


१२ आसिन, मुस्ताङ । स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्री राजेन्द्र मोहतो जनशक्ति अभावके कारण नागरिक प्रभावकारी सेवा पाबय नहि सकल कहैत किछ महिना भित्रे सब जिल्लामे करारमे कर्मचारी नियुक्ती क सेवाके प्रभावकारी बनाएब बतौलनि अछि ।
मुस्ताङके स्वास्थ्य सेवाके बारेमे अवलोकन करय पहुँचल महतो मुस्ताङमे एक सय ६ स्वास्थ्यकर्मीके दरबन्दी रहितो जम्मा ६१ गोटे मात्र कार्यरत रहल बतबैत अहिके लेल किछ महिना भित्रे काम करयके ओ जानकारी देलनि । ओ २० बर्ष आगुके जनसंख्याके लक्षित केने स्वास्थ्य कार्ययोजनाके समेत परिमार्जित क क ल जाएके बतौलनि ।
जिल्ला अस्पताल स्वास्थ्य चौकी, मुक्तिनाथमे सञ्चालित स्वास्थ्य शिविर, झारकोट, मार्फा स्वास्थ्य चौकीके निरिक्षण कएलगेल स्थानमे सन्तोषजनक रहल आ  स्वास्थ्यकर्मी लगनशिल देखल गेल कहैत ओ निक स्वास्थ्यकर्मीके राज्य प्रोत्साहन करत समेत बतौलनि । ठण्डीके समयमे मुस्ताङ सेवा संघ, झिग्मी फाउन्डेन, एक्याप उपल्लो मुस्ताङमे पहुँचौने सेवा प्रति आभारी ब्यक्त करैत मन्त्री राजेन्द्र महतो हिमाली क्षेत्रके स्वास्थ्य सेवाके लेल सरकार काज करत बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन