Tuesday, September 20, 2011

जोखिमपूर्ण पत्रकारिता पुरस्कार कपिलदेव आ दिलिपके


३ आसिन, नुवाकोट । अहि वर्षक हेम सुनिल जोखिमपूर्ण पत्रकारिता पुरस्कार इमेज च्यानलके नुवाकोट संवाददाता कपिलदेव खनाल आ नेपाल टेलिभिजनके संवाददाता दिलिप थापा मगरके संयुक्त रुपमे प्रदान कएल जाएत ।

नेपाल पत्रकार महासंघ नेपाल टेलिभिजन प्रतिष्ठान प्रत्येक वर्ष जोखिमपूर्ण रिपोटिङ्ग करयबला पत्रकारके प्रदान करैत आएल ओ पुरस्कारक घोषणा काल्हिए राति कएल गेल छल ।

संवाददाता खनालके इमेज च्यानलमे असार १६ गते प्रशारण भेल ४ हजार महिला बेश्यालयमे विक्री भेल रिपोर्टके लेल पुरस्कार प्रदान करय लागल अछि । साथे नेपाल टेलिभिजनके संवाददाता दिलिप थापामगरके डोल्पाके जोखिमपुर्ण जीवनके बारेमे बनौने रिपोर्टके सयुक्त रुपमे पुरस्कार प्रदान कएल जाएबला अछि ।

पुरस्कारक राशी २५ हजार रुपैयाँ आ प्रमाण पत्र रहल अछि । २०६३ सालमे ताप्लेजुङ्गके घुन्सामे भेल हेलिकोप्टर दुर्घटनामे मृत्यु भेल नेपाल टेलिभिजनके संवाददाता हेमराज भण्डारी आ छायाँकार सुनिल सिंहके स्मृतिमे ओ जोखिमपुर्ण पत्रकारिता पुरस्कारक स्थापना कएल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन