Friday, September 23, 2011

प्रधानमन्त्री कार्यालयके सचिवद्धारा १३ दिनमे अनशन टुटल


जलेश्वर, आसिन ६ । भ्रष्टाचारक विरोधमे महोत्तरीमक जलेश्वरमे लगातार १३ दिनसँ आमरण अनशनमे बैसलसभके आइ प्रधानमन्त्री कार्यालयके सचिव त्रिलोचन उप्रेती जुस खुवा कऽ आमरण अनशन तोडबौलनि अछि ।
      भ्रष्टाचारक विरोधमे बनौली दनौली गाउँ विकास समितिक शारदा भुषाल झा, रामदुलारीदेवी मण्डल आ सन्त दास भादव २५ गतेसँ आमरण अनशनमे बैसल छल तऽ मंगलदिन सँ दुःखी ठाकुर बरही सेहो अनशनमे सहभागि भेल छलथि ।
      प्रधानमन्त्री कार्यालयके सचिव त्रिलोचन उप्रेती आ मन्त्रिपरिषद सचिवालयके सचिव वुद्धिवहादुर खडकाके उपस्थितिमे ६ बुँदे सहमतीके बाद ओसब आमरण अनशन त्यागके घोषणा केने छलथि । ओ अवसरमे उच्चस्तरीय छानविन समिति गठन करयके, ३० दिनभितर प्रतिवेदन सार्वजनिक कऽ दोषीके कारवाही करयके, विद्यापति डिहके उत्खननके लेल पुरातात्विक विभागसंग समन्वय करयके, सहितक सहमति पश्चात आमरण अनशन त्याग केने अछि ।
      सरकार बनौली दनौली गाउँके विकासक लेल देने अनुदान रकममे वितल ४ वर्षसँ भ्रष्टाचार होइत अएलाबादो सम्बन्धित निकाय चाँखि नहि देखौलाबाद ओ सब १७ सुत्रिय माँग रखैत जलेश्वरमे आमरण अनशन शुरु केने छल ।
      आमरण अनशनके पाँचम दिन  अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग ओ गाविसके सचिव शत्रुधन मिश्रके निलम्बन केने छल तऽ जिल्ला प्रशासन कार्यालय महोत्तरी प्रशासकिय अधिकृत नागेन्द्र चौधरीके नेतृत्वमे तिन सदस्यीय छानविन समिति गठन केने छल । मुदा अनशनकारीसब उच्चस्तरीय छानविन टोली गठन करयके आ प्रधानमन्त्री नहि आबयधरि अनशन नहि त्यागऽके जनौलाबाद अनशन लम्बियाइत गेल छल ।
      अनशनके सातम राति पुलिस जवरजस्ती अनशनमे बैसलसभके एम्बुलेन्समे राखि अञ्चल अस्पताल जनकपुर पठौने छल तऽ अनसनस्थल समेत तोडने छल । ओइके बाद दु दिन अस्पतालेमे आन्दोलनकारीसब अनशन शुरु केने छल । बादमे फेउर जलेश्वर अबितो कोनो ठाममे बैसय नहि देलापर ओसब फेउर गामेमे रहल विद्यापति पुस्तकालयमे जाऽ क अनशन जारी रखने छल ।
      अनशन त्याग करैत अनशनकारी शारदा भुषाल झा कहलिह जे इ हमरसबहक जितके शुरुवात मात्रे अछि  , जाधरि दोषीके कारवाही नहि हाएत ता धरि हमरसबहक आन्दोलन जारी रहत बतौलिह ।
      ओ अवसरमे प्रमुख जिल्ला अधिकारी शंकर अर्याल, सशस्त्रके प्रहरी उपरिक्षक जनकबहादुर बोहरा, सहित संचारकर्मी, मानवअधिकारकर्मीसबहक उपस्थिती रहल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन