Tuesday, January 10, 2012

बम बिष्फोटमे २० गोटेके मृत्यु


२६ पुष पाकिस्तान । पाकिस्तानके क़बायली क्षेत्रमे भेल एक बम बिष्फोटमे २० गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ ३० गोटे घाइल भेल अछि ।

एक वरिष्ठ अधिकारीके अनुसार ख़ैबर एजेंसीके तालुक़ा जमरूदमें बिष्फोट भेल छल । जाहिमे परि महिला आ बच्चाके सेहो मृत्यु भेल अछि । घाइलसबके पेशावरके अस्पतालसबमे इलाज चलिरहल अछि । हुनका अनुसार बिष्फोटनमे कतेकौ गाडीसब सेहो नष्ट भऽ गेल अछि आ बम एकटा गाड़ीमें राखल छल ।


सरकार समर्थक क़बायली लोगसबहक क्षेत्रमे बम बिष्फोट भेल अछि जे सब किछ समय पहिने सरकारके कहला पर चरमपंथीके सँग लड़ाई केने छल ।

स्थानीयबासीके अनुसार मृतकके सँख्या आओर बढि सकैत अछि । कियाक तऽ बिषफोटनके समय ओइठाम बहुत बेसी भिड छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन