Wednesday, September 21, 2011

भ्रातृ संगठन विघटनके देउवा पक्ष कडा प्रतिवाद करत


४ आसिन, काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसक देउवा पक्ष भ्रातृ संगठन विघटन करयके निर्णयके कडा प्रतिवाद करय लागल अछि । वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षधरके आइ बुढानिलकण्ठमे भेल जमघटसँ भ्रातृ संगठन विघटन करयके बहुमतके निर्णय अप्रजातान्त्रिक, पार्टी नीति आ दु पार्टी एकताके समयमे भेल सहमति विपरित भेल ठहर केलक अछि ।

जमघटसँ भ्रातृ संगठन विघटन करयके निर्णय फिर्ताके लेल नेतृत्वके दबाव देबयके निर्णय केने केन्द्रीय सदस्य मीन विश्वकर्मा जानकारी देलनि अछि ।

 केन्द्रीय समितिक बैसार बहिस्कार करयके कदम ठिक रहल कहैत जमघट बैसार बहिस्कारक बाद निर्णय कराबय पार्टी पद्धति विपरित रहल  ठहर केलक अछि । कौल्हुका केन्द्रीय समितिक बैसारमे सभापति सुशील कोइराला तरुण दल सहितक ४ टा भ्रातृ संगठन विघटनके निर्णय करयके तयारी केलाबाद देउवा पक्ष बैसार बहिस्कार केने छल । देउवा पक्षक बहिस्कारक बाद बहुमतसँ भ्रातृ संगठन विघटनके निर्णय केने छल ।

 देउवा पक्षक जमघट भ्रातृ संगठन विघटन विरुद्ध केन्द्रीय सदस्य एवं तरुण दलक निवर्तमान अध्यक्ष महेन्द्र यादव सहितक नेतासबहक आमरण अनसनप्रति ऐक्यवद्धता जनौलक अछि ।

जमघटमे सहभागी नेतासब पार्टी सभापति एकलौटी रुपमे आगु बढल कहैत सहि कऽ नहि रहब बतौलनि अछि । थप रणनीति तय करय काल्हि केन्द्रीय सदस्य आ सभासदके संयुक्त भेला बजाओल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन