Tuesday, October 04, 2011

मधेशके भड्काबयके प्रयास भऽ रहलः गच्छदार


विराटनगर, आश्विन १७ । माओवादी आ मधेसी मोर्चाके गठबन्धन राष्ट्रहीत विपरीत भेल अभिब्यक्ती देबयबला एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल आ माओवादी नेता मोहन वैद्य किरण मधेसके भड्काबय चाहने आरोप उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार लगौलनि अछि ।

गठबन्धके राष्ट्रहीत विपरीत कहयबलासब अराजक आ अराजनीतिक रहल बतबैत गच्छदार ओइ सँ मधेसक भावनामे चोट पहुँचल बतौलनि ।

मन्त्रीपरिषदक बैसारसँ राष्ट्रिय सहमतिके आधारमे आगु बढ्यके निर्णय समेत केने ओ बतौलनि । ओइके लेल नेपाली काँग्रेस आ एमालेसँ आग्रह केने ओ बतौलनि । ओ दुनु पार्टीसंग शान्ति आ संविधान निर्माणक लेल सरकारमे सहभागि होबयके विकल्प नहि रहल सेहो बतौलनि ।

शान्ति स्थापनाके लेल दशैं भितरे ठोस गृहकार्य कऽ दशैं पाछुए शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबयके योजना रहल सेहो गच्छदार प्रष्ट केलनि । ओ कहलनि जे सेना समायोजनके मोडालिटीमे सहमति भेलाबाद समायोजनके शुरुवात हाएत । नेपाली सेनाके समावेशी बनाबय मधेसक १० हजार युवाके सेनामे भर्ति करयके सहमति भेल जानकारी दैत गच्छदार एके बेर नहि भऽ बेर बेर कऽ ओ पूर्ति कएल जाएत बतौलनि । ओ कहलनि अहिठाम १० हजारके बात नहि अछि । सरकार प्रक्रिया सुरु करत तऽ ओ प्रक्रिया ५ हजार या ३ हजारसँ सेहो होबय सकत।

पूर्वके विभिन्न शक्तीपीठसबमे भ्रमण, पूजाअर्चना आ कार्यकर्ता विच भेटघाट कार्यक्रम समाप्त कऽ गच्छदार काल्हि राजधानी घुरताह ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन