Monday, October 31, 2011

शान्ति आ संविधान निर्माणबारे जल्दिए हाएत सहमतिः शीर्ष नेतासब


१४ कात्तिक, काठमाडौं । प्रमुख दलक नेतासब शान्ति आ संविधान निर्माणबारे जल्दिए सहमति हाएत बतौलनि अछि । दशैं, दियाबाती, नेपाल सम्बत् आ छठिके अवसरमे एकीकृत नेकपा माओवादी आइ राजधानीमे आयोजना केने चायपान कार्यक्रममे माओवादी, कांग्रेस, एमाले आ मधेसवादी दलक नेतासब शान्ति प्रत्रिया, संविधान निर्माण सहितक विषयमे एक दु दिनमे  प्याकेजमे  सहमति हाएत बतौलक अछि ।

माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड जनताक भवना अनुसार शान्ति आ संविधानके निष्कर्षमे पहुँचाबयके प्रतिवद्धता जनौलनि । ओ कहलनि जनताके इच्छा अनुसारक शान्ति प्रक्रिया पूरा हाएत । संविधान अबश्य बनत ।

चायपान कार्यक्रममे सहभागीसब अपनासँग पार्टी एकजुट होबय लेल सुझाव देने कहैत ओ पार्टीके एकतावद्ध बनाबय केहनो त्याग करय तयार रहयके प्रतिवद्धता जनौलनि ।

कार्यक्रममे कांग्रेस सभापति सुशील कोइराला शान्ति प्रक्रिया पूरा होबयके आ लोकतान्त्रिक संविधान निर्माणक सुखद समाचार सुनाबय अपनेसब औगताह रहल बतौलनि ।

एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल तीन दलक वार्ता सकारात्मक रहल कहैत आबके किछुए दिनमे शान्ति आ संविधान निर्माणबारे प्याकेजमे सहमति हाएत बतौलनि ।

मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष एवं उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार शान्ति आ संविधान निर्माण करयके विकल्प नहि रहल बतौलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन