Monday, October 31, 2011

प्रमुख तीनदलक बैसार निष्कर्षहीन


१४ कात्तिक, काठमाडौँ । शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणक विवादित विषयमे अन्तिम सहमति जुटाबयके प्रयासमे बैसल प्रमुख तीन दलक शीर्षस्थ नेतासबहक बैसार निष्कर्षहीन भेल अछि ।

भिन्सर पौने ९ बजेसँ करिब ४ घण्टाधरि राजधानीके बूढानिलकण्ठ स्थित पार्क भिलेज रिसोर्टमे बैसल बैसार काल्हि बेरियाके ४  बजे फेर सँ बैसय जका सहमति कऽ स्थगित भेल अछि । एकीकृत नेकपा माओवादी, नेपाली कांग्रेस आ एमालेक शीर्षस्थ नेता सहभागी बैसारके क्रममे दलसबबीच अनौपचारिक रुपमे द्विपक्षीय बिमर्श समेत भेल छल ।

बैसारसँ बहरायके क्रममे सञ्चारकर्मीसँग बातचित करैत नेपाली कांग्रेसक नेता अर्जुननरसिंह केसी काल्हि बेरियाके ४ बजे प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे बैसय जका आजुक बैसार बैसल जानकारी देलनि । केसीके अनुसार सेना शान्तिप्रक्रिया, विभिन्न आयोगसबहक गठन आ शक्तिबाँडफाँटक विषयमे प्याकेजेमे सहमति खोजय दलसब सहमत भेल अछि । अहिसँ आगु दलसब आइए अन्तिम सहमति होबयके संकेत केने छल ।  माओवादीक उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्ष शान्ति आ संविधान लेखनके प्याकेजेमे सहमति करय परत कहैत विरोध केलाबाद आइ सहमतिमे हस्ताक्षर होबय नहि सकल अछि ।

आजुक बैसारमे दियाबाती आगु भेल बिमर्शमे त्रिदलीय कार्यदल पेश केने सेना समायोजनसम्बन्धी प्रस्तावमे बिमर्श भेल नेतासब बतौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन