Monday, October 31, 2011

विश्वके जनसंख्या सात अर्ब पार


१४ कातिक जनकपुरधाम । विश्वके जनसंख्या सात अर्ब पार कऽ चुकल अछि । सात अरबवाँ बच्चाक जन्म फिलिपींसके राजधानी मनिलामे भेल अछि ।

फिलीपिंसक एकटा अस्पतालमे जन्म लेने ओ बच्चाक नाम डैनिका रहल अछि । डैनिकाके जन्म राति करिब १२ बजे भेल छल । यूनाइटेड नेशनके वेवसाइट पर एहि विषयमे तथ्यांक दर्ज भऽचुकल अछि । एहिके सँग दुनियाके जनसंख्या सात अर्ब पार कऽचुकल अछि ।

संयुक्त राष्ट्रके अनुसार विश्वके जनसंख्या सन 2100 धरिमे 10 अरब तक पहुंच सकैत अछि ।  दुनियामें प्रत्येक सेकंडमे पांच बच्‍चाके जन्‍म होइत अछि आ २ गोटेके मृत्यु होइत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन