Thursday, October 27, 2011

दियाबातीके तुरुन्त बाद शान्तिप्रक्रियाके पुरा करबः प्रधानमन्त्री


१० कात्तिक, भक्तपुर । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई दियाबातीके तुरुन्त बाद दलसब एकजुट भऽ शान्तिप्रक्रियाके निश्कर्षामे पहुँचाओत दाबी कएलनि अछि ।

राष्टिय विभुति शंखधर साँख्वा प्रतिष्ठान नेपाल सम्बत् ११३२ के अवसरमे भक्तपुरमे आइ आयोजना केने कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री भट्टराई दलसबबीच ओइबारे सकारात्मक बिमर्श समेत सुरु भऽ गेल जानकारी देलनि । प्रधानमन्त्री दलसबके मिल कऽ शान्तिप्रक्रियाके निश्कर्षमे पहुँचाबयके विकल्प नहि रहल दोहरौलनि ।

सरकार नेपाल सम्बतके राष्ट्रिय सम्बतके मान्यता दऽ देने बतबैत प्रधानमन्त्री आगामी वर्षसँ सरकारद्धारा प्रकाशित होबयबला सब प्रकाशनमे नेपाल सम्बतके तिथिमिति उल्लेख कएल जाएत जानकारी देलनि । कार्यक्रममे नेपाल सम्बतके राष्ट्रिय सम्बत् बनाबय उल्लेखनीय भूमिका रहल कहैत नागरिक आन्दोलनके अगुवाद्वय पद्मरत्न तुलाधर आ मल्ल के सुन्दरके सम्मान कएल गेल छल ।

अहिबिच नेपाल सम्बत् ११३२ के अवसरमे काठमाडौँके खुलामञ्चमे आयोजित कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री भट्टराई आब नेपाल सम्वत आ नेपाल भाषाके मान्यता देबय माँग करैत ककरो आन्दोलन करय नहि परत बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन