Thursday, October 13, 2011

जलविद्युतमे लगानी करय प्रधानमन्त्रीक आग्रह


२६ आसिन, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भट्टराई नेपालक जलविद्युत् क्षेत्रमे लगानी करय राष्ट्रिय तथा अन्तर्राष्ट्रिय लगानीकर्तासबके आग्रह कएलनि अछि ।

सरकार आ एसियाली विकास बैंकके संयुक्त आयोजनामे आइ सँ  सुरु भेल नेपालमे ऊर्जा लगानीकर्ता मञ्चकार्यक्रमके सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री डा भट्टराई लगानीके वातावरणके लेल सरकार तयार रहल कहैत निश्चिन्तताके साथ लगानी करय आग्रह कएलनि ।

ओ आगामी दिनमे विद्युत् उत्पादनके क्षेत्रमे सरकारी आ निजी क्षेत्रके मिल कऽ काम करय परतमे जोड देलनि ।
राजनीतिक अस्थिरताके कारण लगानीमैत्री वातावरण बनय नहि सकल लगानीकर्ताके कहबप्रति अपनो सहमत रहल बतबैत भट्टराई सरकारक प्राथमिकता शान्ति आ संविधान होइतो देशके सामाजिक, आर्थिक विकासमे सरकार लागि परल बतौलनि ।

कार्यक्रममे अर्थमन्त्री वर्षमान पुन ऊर्जा क्षेत्रके विकासमे लगानी बढाबय स्वदेशी तथा विदेशी लगानीकर्ताके आग्रह कएलनि । ऊर्जामन्त्री पोष्टबहादुर बोगटी अधिक विद्युत् उत्पादन कऽ लोडसेडिङके अन्त्य केनाइ एखुनक आवश्यकता रहल कहैत ऊर्जा क्षेत्रमे होबयबला लगानीमे सुरक्षाके लेल सरकार तत्पर रहल बतौलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन