Thursday, October 13, 2011

प्रभु साहके बर्खास्त नहि करत तऽ सदन चलय नहि देबयके कांग्रेसक चेतावनी


२६ आसिन, काठमाडौं । प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेस हत्याके अभियोग लागल भूमिसुधारमन्त्री प्रभु साहके बर्खास्त करय माँग केलक अछि ।

आइ बैसल व्यवस्थापिका संसदके बैसारमे कांग्रेस हिन्दु युवा संघक अध्यक्ष काशी तिवारीके हत्याके अभियोग लागल भूमिसुधारमन्त्री साह आ राष्ट्रियता विरोधी अभिव्यक्ति देबयबला रक्षामन्त्री शरतसिँह भण्डारीके तत्काल बर्खास्त करय माँग केलक अछि ।

कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल रक्षा आ भूमिसुधारमन्त्रीके तत्काल बर्खास्त नहि करत तऽ सदन चलय नहि देबयके चेतावनी देलनि । कांग्रेस सभासद रामशरण महत भूमिसुधारमन्त्री साहके तत्काल बर्खास्त कऽ अदालतमे उपस्थित कराबय माँग कएलनि । पुलिस मन्त्री साहविरुद्ध किटानी जाहेरी दऽ चुकल अवस्थामे प्रधानमन्त्रीके संरक्षणमे रहल महान्यायाधीवक्ताके निर्देशनमे सरकारी वकिलके कार्यालय साहके उन्मुक्ति देने कहैत तत्काल भूमिसुधारमन्त्री उपर मुद्धा चलाबय माँग कएलनि ।

बैसारमे माओवादी सभासद दिनानाथ शर्मा तिवारी हत्या प्रकरणमे मन्त्री साहके संलग्नता नहि रहल कहैत घटनाके राजनीतिकरण कऽ क अपराधिके उन्मुक्ति देबय खोजलगेल  दावी कएलनि । ओ अनुसन्धान पूरा बिना केनेही भूमिसुधारमन्त्री एवं पार्टी नेता साहके दोषी ठहर कऽ क सार्वजनिक रुपमे पेश केनाइ गलत रहल बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन