Saturday, November 26, 2011

भारतीय विदेश सचिव मथाइ नेपाल आबि रहल


१० अगहन, काठमाडौँ । भारतीय विदेश सचिव रञ्जन मथाइ नेपालक तीन दिना भ्रमणके लेल आइ नेपाल आबि रहल छथि ।

२ देशके विदेश सचिव बीच नियमित बिमर्शक लेल मथाई बेरियामे पौने ३ बजे नेपाल आबय लागल छथि । द्विपक्षीय सचिवस्तरीय संयन्त्रके गतिशील बनाबयके परम्परा अनुसार भारतीय विदेश सचिव नेपाल भ्रमणमे आबय लागल छथि । यद्यपी कायममुकायम परराष्ट्र सचिव दुर्गाप्रसाद भटराई चीन भ्रमणमे रहलासँ निमित्त सचिव धनञ्जय झा सँग भारतीय विदेश सचिव भेटवार्ता करताह परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अछि । नेपाल आ भारतबीच दोहरा कर उन्मुक्ति सम्बन्धी सम्झौतामे हस्ताक्षर करय भारतीय अर्थमन्त्री प्रणव मुखर्जी सेहो काल्हि नपाल आबि रहल छथि ।

अहिबीच एमाले नेता भीम रावल आइ मुम्बई जाऽ रहल छथि । प्रवासी नेपाली सङ्घक सम्मेलनमे सहभागी होबय नेता रावल ओइदिस जाए लागल छथि । दुपहर १२ बजे रावलके मुम्बई प्रस्थान करबाक कार्यक्रम छन्हि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन