Saturday, November 26, 2011

थरुहट महासचिव हिरासत मुक्त, बन्द खुलाबयके विषयमे बिमर्श जारी


१० अगहन, काठमाडौँ । थरुहट तराई पार्टी नेपालक केन्द्रिय महासचिव नन्दकुमार चौधरीके पुलिस हिरासतसँ बितलराति मुक्त केलक अछि ।

संविधानसभा विघटनके माँग करैत वितल तीन दिनसँ अनिश्चितकालीन आमहड्तालक आह्वान कएने क्रममे अवरुद्ध राजमार्ग सुचारु कराबयके समय काल्हि भिन्सर पुलिस चौधरीके सिसहनियासँ नियन्त्रणमे लेने छल । अहिबीच लगातार रुपमे होइत आएल बन्द खुलाबयके विषयमे अखन काठमाण्डुमे आन्दोलनरत पक्षबीच बिमर्श भऽ रहल थरुहट महासचिव नन्दकुमार चौधरी जानकारी देलनि अछि ।

अहिसँ आगु जिल्ला प्रशासन कार्यालय दाङ लगातारके बन्दसँ जनजीवन कष्टकर बनैत गेल कहैत सुरक्षा निकायके सहभागितामे बन्द खोलाओल जाएत जनबिते दाङके बजार आ यातायात आंशिक रुपमे खुजल अछि ।

अहिबीच एक समूह सवारी साधनमे पाथर फेकलाबाद एक गोटे घाईल भेल अछि । पाथर प्रहारसँ घोराही नगरपालिका चौघेर निवासी २४ वर्षक रमेश सीरीस घाईल भेल इलाका प्रहरी कार्यालय लमही जनौलक अछि । घाईलके सामुदायिक अस्पताल लमहीमे प्रारम्भिक इलाजक बाद थप इलाजक लेल चितवन पठाओलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन