Saturday, November 26, 2011

कांग्रेस म्याद बढाबयके बिषयमे आइ निर्णय लेत


१० अगहन, काठमाडौँ ।
संविधानसभाक कार्यकाल बढाबयके विषयमे नेपाली कांग्रेस आइ औपचारिक निर्णय लेबय लागल अछि ।

ओइके लेल कांग्रेस संसदीय दलक बैसार बेरियाक १ बजेबाद सिंहदरबारस्थित दलक कार्यालयमे बजाओलगेल अछि । अहिसँ आगु काल्हि देउवा पक्षक बहिस्कारके बावजुदो बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारसँ म्याद बढाबयके बिषयमे अन्तिम निर्णय लेबयके अधिकार संसदीय दलके देने छल । यद्यपि बैसार बेसीमे ४ महिना म्याद बढाबय सकयके निष्कर्ष निकाल्ने छल । केन्द्रीय समितिक बैसार बहिस्कार केने देउवा पक्ष संसदीय दलक बैसारमे सहभागी होबय लागल अछि ।

सर्वोच्च अदालत काल्हि म्याद बढाबयके विरुद्धमे परल रिट उपर सुनुवाई करैत आब अन्तिम बेरक लेल ६ महिना म्याद बढाबय दलसबसँ निर्देशन केने छल । सरकार म्याद बढाबय लेल अन्तरिम संविधान-२०६३ के ११ औँ संशोधन प्रस्ताव संसदमे प्रस्तुत कऽ चुकल अछि । पछिला बेर थपल संविधानसभाक कार्यकाल आगामी १४ गहनमे सम्पन्न भऽ रहल अछि ।

अहिबिच म्याद बढाबयके बिषयमे समान धारणा बनाबय एकीकृत माओवादी, नेपाली काङ्ग्रेस आ नेकपा एमालक शीर्ष नेतासबहक बैसार सेहो बेरियामे बैसत । बेरियामे बिमर्श कऽ संविधानसभाके म्याद बढाबयके बिषयमे साझा धारणा सार्वजनिक हाएत नेपाली काङ्ग्रेसक महामन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौला जानकारी देलनि ।

काल्हि बैसल  प्रमुख तीन दलक बैसारमे सर्वोच्च अदालत केने फैसलाक अध्ययन कऽ क आइ साझा धारणा बनाबयके सहमति भेल छल । समय बढाबयके बिषयमे सरकारक  प्रस्ताव पर काल्हि संसदमे  मतदान हाएत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन