Tuesday, November 29, 2011

संविधानसभाक म्याद छ महिना बढाबयके सहमति


काठमाडौ, अगहन १३ । प्रमुख तीन दल आ मधेशी मोर्चाबीच संविधानसभाक म्याद छ महिनाक लेल बढाबयके सहमति भेल अछि । राष्ट्रिय सरकार अविलम्व गठन करयके मुख्य शर्तमे दलसबबीच सहमति भेलाबाद म्याद बढाबयके वातावरण बनल अछि ।

शान्ति मन्त्रालयमे भेल बिमर्शमे दलसबबीच फेउर ६ बुँदे सहमति भेल अछि । कात्तिक १५ गते भेल ७ बुँदेके पालना करयके, शान्ति प्रक्रिया सम्बन्धी कार्य अगहन मसान्त भितर सम्पन्न करयके सहमति भेल अछि । अहिसँ आगु अगहन ७ भितर शान्ति प्रक्रिया सम्बन्धी कार्य सम्पन्न करयके सहमति भेल छल ।

राज्य पुनर्संरचना आयोग पहिल बैसार बैसल २ महिना भितर अपन प्रतिवेदन देबयके, संवैधानिक समिति अगहन २० भितर संविधान निर्माणक कार्यतालिका सार्वजनिक करयके समेत सहमति भेल मोर्चाक नेता तथा सञ्चार मन्त्री जयप्रकाश गुप्ता बतौलनि । बैसारमे भेल सहमतिसबहक कार्यान्वयनके समिक्षा करय प्रत्येक सप्ताह शीर्ष नेतासबहक बैसार बैसयके तय भेल अछि ।

सहमति पत्रमे मओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल, कांग्रेस सभापति सुशील कोइराला, एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल आ मोर्चासँ विजय गच्छदार हस्ताक्षर कएलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन