Tuesday, November 29, 2011

देशभरि अखनो ५२ लाख निरक्षर


भक्तपुर, अगहन १३ । अनौपचारिक शिक्षा केन्द्र सानोठिमी  पचहतरो जिल्ला शिक्षा कार्यालयसँ सङ्कलित १५ वर्षसँ उपरके समूहक निरक्षरताके सङ्ख्या सार्वजनिक केलक अछि ।

केन्द्रक उपनिर्देशक केशवप्रसाद दाहाल काल्हि अहि बिषयमे जानकारी दैत देशभरि हाल १५ वर्षसँ उपरके १७ लाख ३८ हजार ६४३ पुरुष आ  ३४ लाख ३५ हजार ३३६ महिला निरक्षर रहल बतौलनि ।

देशके पचहतरो जिल्ला मेसँ सबसँ बेसी निरक्षर रहल जिल्ला सर्लाही आ सबसँ कम रहल जिला मनाङ अछि । सर्लाहीमे एकलाख ३२ हजार ७९८ महिला    ८८ हजार ८९७ पुरुष निरक्षर तथा मनाङमे ९०७  महिला आ ४९९  पुरुष निरक्षर अछि ।

केन्द्र बितल कात्तिकसँ सञ्चालन केने साक्षरता कक्षा निरक्षरके याह सङ्ख्याके आधार मानि कऽ प्रभावकारी रुपमे सञ्चालन करय आग्रह केलक अछि ।

अहिवर्ष केन्द्र देशके १५ सँ ६० वर्ष उमेर समूहक  करिब १० लाख ३५ हजार  निरक्षरके साक्षर बनाबयके लक्ष्य ल ऽ क बितल कात्तिक १ गतेसँ तीन चरणमे सम्पन्न करय जका देशभरि साक्षरता अभियान सञ्चालन केने केन्द्रक उपसचिव माधवप्रसाद दाहाल बतौलनि ।

पहिल चरणके तीन महिना कात्तिक, अगहन आ पुसमे तीन लाख ५० हजार निरक्षर नागरिकके साक्षर बनाओल जाएत जानकारी दैत ओ दोसर चरणमे माघसँ चैतधरिमे आ तेसर चरणमे वैशाखसँ अखारधरि लक्ष्य अनुसारक सङ्ख्यामे साक्षर बनाओल जाएत उल्लेख कएलनि ।

अहि अभियानके लेल करिब  ७० करोड रुपैयाक बजेट खर्च होयबाक अनुमान कएलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन