Tuesday, November 29, 2011

संविधानसभाक म्याद ६ महिना बढल


काठमाडौ, अगहन १३ । ब्यवस्थापिका संसदक बैसारमे ब्यवस्थापिका संसद आन्तरिम संविधानके संशोधन कऽ आइ संविधानसभाक म्याद ६  महिना बढौलक अछि । इ चारिम बेर म्याद बढाओल गेल अछि ।

ब्यस्थापिका संसदमे भेल मतदानमे उपस्थित ५०८ सभासद मेसँ ५०५ गोटे सरकार प्रस्तुत केने संविधानसभाक म्याद बढाबय  सम्बन्धि संविधान संशोधन प्रस्तावके पक्षमे मतदान कएने छलथि तऽ विपक्षमे तीन मत परल छल । ओ तीन मत राष्ट्रिय प्रजातान्त्र पार्टी नेपालक छल ।
अहिसँ आगु आइ भिन्सर मधेसी मोर्चा सहितक माओवादी, काँग्रेस आ एमालेक बैसारमे ६ बुँदे सहमति कऽ क संविधानसभाक म्याद ६ महिना बढाबयके सहमति केने छल । सर्वोच्च अदालत एक बेरसँ बेसी म्याद नहि बढाबय आदेश केलासँ याह समयसीमा भितर संविधान जारी केनाइ बाध्यात्मक परिस्थिति रहल अछि । 

अहिबिच सबदिन समएमे कार्यक्रमस्थल पहुँचयबला एमालेका बरिष्ठ नेता माधव नेपाल आजुक संसदक बैसारमे
मतदान करय नहि सकलथि ।

सबदिन अबेरसँ सुरु होबयबला संसदक बैसारमे नेता नेपाल अबेर भेलाक कारण मतदान प्रकृयामे भाग लेबय नहि सकलथि । ओ अबेर अएलाक कारण हुनका संसद भवन भितर पैसय नहि देलाबाद मतदान प्रकृयामे ओ भाग लेबय नहि पौअलथि ।   

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन