पाल्पा, अगहन १६ । नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य शेखर कोइराला माओवादी लडाकुके नाममे राज्यकोष दुरुपयोग केने आरोप लगौलनि अछि । पाल्पामे आइ भिन्सर संचारकर्मीसंग बात करैत ओ माओवादी सबके ठकि कऽ संस्थागत भ्रष्टाचार केने बतौलनि ।
नेपाली कांग्रेस क्षेत्र न १ गुल्मी आयोजना केने आमसभाके लेल पहुँचल कोइराला ६ हजार ५ सयसँ बेसी समायोजन होबय नहि सकत बतौलनि । ‘सम्झौता भऽ गेल अछि आ ओइसँ बेसी होबय नहि सकत ’ ओ कहलनि , ‘माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डके ९ हजारके बात लौनाइ गलत अछि ।’ ओ अखन बर्गीकरणमे समावेश नहि भेल तीनहजार लडाकु नक्कली भेल बतौलनि ।
माओवादी राज्यकोषसँ अखनधरि १ अर्व ५० करोडसँ बेसी दुरुपयोग केने बतबैत ओ माओवादी अनमिनके समेत अपनादिस केने आरोप लगौलनि । माओवादी राष्ट्रिय/अन्तर्राष्ट्रिय रुपमे सबके ठकि कऽ लडाकु संख्या बढौने प्रमाणित भेलासँ अहिके छानबिन होबय परत ओ बतौलनि ।
कोइराला शान्ति प्रक्रिया पुरा भेलबाद नेपाली कांग्रेस नेतृत्वक सरकार संविधानके घोषणा करत बतौलनि । ओ माओवादी हतियार आ लडाकुसँ अलग भऽ गेलाबाद मात्रे नेपाली कांग्रेस सरकारमे जाएके विषयमे सोचय सकत विचार व्यक्त कएलनि । ओ कांग्रेसमे अखन देखलगेल विवाद संसदीय दलक नेता के अछि विषयमे केन्द्रित रहल दावी करैत विवादक अन्त्य जल्दिए होबयमे जोड देलनि ।
No comments:
Post a Comment