Friday, December 02, 2011

लडाकु वर्गीकरण सम्पन्न भेल


काठमाडौ, अगहन १६ । समायोजन, पुनःस्थापना  आ स्वैच्छिक अवकाश चुनयबला माओवादी लडाकुके वर्गीकरण प्रक्रिया सम्पन्न भेल अछि ।

लडाकुके ६ मुख्य शिविरमे मंगलदिन वर्गीकरण सम्पन्न भेल छल तऽ कैलालीके तालबन्दस्थित सातम शिविरमे बितल साँझ वर्गीकरण सम्पन्न भेल ओहिठामक सर्भेक्षण टोलीक प्रमुख विशेष समिति मातहतके सचिवालय सदस्य गोपालसिंह बोहरा जानकारी देलनि ।

वर्गीकरण प्रक्रियामे जम्मा १६ हजार ९ सय ३१ लडाकु सहभागी भेल सचिवालय संयोजक बालानन्द शर्मा जानकारी देलनि । अनमिनसँ प्रमाणित लडाकुके संख्या १९ हजार ६ सय २ छल । अहि हिसाबसँ २ हजार ६ सय ७१ लडाकु वर्गीकरण प्रक्रियामे अनुपस्थित छल ।

 सचिवालय सदस्य दीपकप्रकाश भट्टके अनुसार लडाकुके व्यक्तिगत विवरण भरयके क्रममे इन्टरनेट सुस्त भेलासँ कतेकौ लडाकुके दु बेरधरि दर्ता भेल होबय सकैत अछि । सब शिविरमे एहन दोहरा दर्ता ३०/४० के हाराहारीमे देखलगेल अछि । काठमाडौं घुरलाबादे दोहरा दर्ताके घटौलाबाद मात्रे वास्तविक विवरण आओत ।'

ओ कहलनि जे 'चितवनमे दर्ता लडाकु रोल्पामे जाऽ  वर्गीकरणमे सहभागी भेल होबय सकैत अछि याह कारण सबसँ अखन बास्तबिक सँख्या कहनाइ सही नहि हाएत । स्रोतक अनुसार काठमाण्डौमे फेउरसँ जाँच कएलापर करिब तीन हजारके हाराहारीमे लडाकु अनुपस्थित देखल जाएत अनुमान कएल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन