Friday, December 02, 2011

रेल्वे कर्मचारी उपर हातपात


१६ अगहन जनकपुरधाम । नेपालक एक मात्र रेल्वेके कर्मचारीसब उपर रेल्वेके महाप्रबन्धक सुरेश प्रसाद यादव भाडाके गुण्डा लगा कऽ गारि बेइज्जत करयके सँगहि पिटपाट करवौने मधेशी श्रमिक फोरम नेपाल रेल्वे इकाइ समिति जनकपुर आरोप लगौलक अछि ।

समिति आ नेपाल यातायात मजदुर सँघ द्धारा आइ जारी सँयुक्त  बिज्ञप्तिमे काल्हि साँझ बिना कोनो जानकारी देने रेल्वे महाप्रबन्धक यादव बाहरके दश बारह गोटेके आनि कार्यालयके ताला तोरने आ रेल्वेके दर्ता चलानी किताब लऽ गेल जनाओल गेल अछि ।

बिज्ञप्तिमे महाप्रबन्धक यादव बितल ५ महिनासँ दैनिक एक समय मात्र रेल्वे सेवा सँचालन करय सकल आरोप लगाओल गेल अछि । अहिना बितल माघ महिनामे रेल्वे मर्मत सुधारके लेल मन्त्रालयसँ ३ करोड ९३ लाख रुपैया निकासा होइतो ओ रकमके पारदर्शिता नहि क अनियमितता केने आ रेल्वेके धराशायी बनाबयके काज कऽ रेल बन्द कराबयके अबस्थामे पहुँचौने आरोप सेहो लगाओल गेल अछि । तहिना मन्त्रालयसँ भेल आदेश बिपरित कम्पनीके आर्थिक भार थपय जकाँ गोप्य रुपमे कर्मचारी भर्ना करय लगलासँ रोकय लेल किछ दिन आगु स्थानिय प्रशासनके जानकारी करा कऽ रेल्वे युनियनके  पदाधिकारी तथा कर्मचारीसब महाप्रबन्धकके कार्यकक्षमे तालाबन्दी केने ओ बिज्ञप्तिमे जनाओलगेल अछि ।    


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन