Sunday, December 18, 2011

अमरीकी सैनिक इराक़ स लेलक विदा


पुष ३ इराक ( रविवार, 18 दिसंबर, 2011 ) इराक़में रहल अमरीकी सैनिकसब आइ भिन्सर  इराक़ छोड़ि कऽ कुवेतके तरफ प्रस्थान कएलक अछि, जाहिके साथ ओतय  करीब ९ साल पुरान अमरीकी सैन्य अभियान ख़त्म भऽ गेल अछि ।

इराक़में अमरीकी सेनाके अभियान 2003 में अमरीका द्धारा कएलगेल हमलासँ शुरु भेल छल । जाहिके बाद सद्दाम हुसैनके  शासनके अंत भऽ गेल छल ।

सद्दामके सत्ता सँ हटाओल गेलाक बाद इराक़में विद्रोहीके सँग संघर्ष जारी छल । जाहि सँघर्षक क्रममे करिब 4500 अमरीकी सैनिके मृत्यु भेल तऽ करिब  32000 गोटे घाइल भेल आ सैकड़ों अरब डॉलर अहि सैन्य अभियान पर खर्चा कएल गेल ।

एक  समय इराक़में एक लाख ७० हज़ार अमरीकी सैनिक छल आ  ओ सब करिब  ५०० सँ बेसी क्याम्प बनौने छल ।

आब इराक़में १५७ टा मात्रे अमरीकी सैनिक बचल अछि जे ओतयके दूतावासमें प्रशिक्षणके कामकाज देखत । अहिके अलावा कूटनीतिक मिशनके रक्षाके लेल किछ मरीन अछि ।

राष्ट्रपति ओबामा अक्तूबरमें घोषणा केने रहथि जे सभ अमरीकी सैनिक 2011 के अंतधरि इराक़ छोड़ि देत । आ इ तारीख़ पूर्व राष्ट्रपति जॉर्ज बुश 2008 में तय केने छलाह ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन