Monday, December 19, 2011

नक्सली तीन टा गाडीमे आगि लगौलक


४ पुष बिहार । बिहारके जमुईमें संदिग्ध नक्सलि आइ सड़क निर्माण कार्यमें लागल तीन टा गाडीमे आगि लगौलक अछि ।

जमुई जिलाके बरहट थाना क्षेत्रमें नक्सली एक निजी कम्पनीके तीनटा गाडीमे आगि लगा देलक अछि । अगिलगिसँ तिनु गाडी पुर्णरुपसँ क्षतिग्रस्त भऽ गेल अछि ।

पुलिसके अनुसार जमुई-मुंगेर सडक खण्ड पर विषुनपुरके नजदीक नक्सली हमला करैत सड़क निर्माणके कार्य कऽ रहल जेकेएन निजी कम्पनीके तीनटा  गाडीमे आगि लगबैत फरार भऽ गेल ।

जमुईके पुलिस अधीक्षक रामनारायण सिंहक अनुसार अहि घटनामें एक पोकलेन आ सड़क निर्माणमें रहल एकटा गाडी पुरापूरी क्षतिग्रस्त भऽ गेल आ एकटा रोलरमे  सामान्य क्षति पहुँचल अछि । ओ बतौलनि जे नक्सलीके खोजी कार्य भऽ रहल अछि आ छापामारी सेहो कएल जाऽ रहल अछि ।

ज्ञातब्य जे नक्सली बितल २ दिनमे जमुई जिलाके २ टा अलग अलग थाना क्षेत्रमें २ टा सरकारी विद्यालय भवनके सेहो नष्ट कऽ देने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन