Monday, December 19, 2011

चोरीके १६ टा मोटरसाइकल बरामद


राजविराज , पुस ४ । राजबिराजमे चोरीके मोटरसाइकल नियन्त्रणके लेल पुलिस पहल सुरु केलाबाद दु दिनमे १६ टा चोरीके मोटरसाइकल बरामद भेल अछि ।

मोटरसाइकलके सवारीधनी प्रमाणपत्र आ चालक अनुमतिपत्र जाँच करयके क्रममे जिल्लाको विभिन्न ठामसँ १६ टा चोरीके मोटरसाइकल नियन्त्रणमे लेने जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय, सप्तरी जनौलक अछि ।

प्रहरी निरीक्षक मधुकुमार थापाके अनुसार स १ प २५३७, स २ प ३१२२, मे २ प ११७७, को १ प ७५७४, को ५ प ८९९९, बा ४ प ८८९५, बा १४ प ७३४३ नम्बर सहितक मोटरसाइकल नियन्त्रणमे लेलगेल अछि ।

प्रहरी उपरीक्षक गणेशबहादुर थापा आपराधिक क्रियाकलापमे मोटरसाइकलके प्रयोग होइत एलासँ मोटरसाइकल जाँच करयके अभियान चलौने बतौलनि ।जनशक्ति अभावसँ चोरीके बाइक खोजय पुलिस गाउँदिस जाए नहि सकितो पूर्व-पश्चिम राजमार्गसहित जिल्लाके विभिन्न सडकखण्डमे कडा निगरानी सुरु कएलगेल ओ बतौलनि 

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन