Thursday, December 08, 2011

एसीसी ट्वान्टी-ट्वान्टी कप क्रिकेटमे नेपाल सेमिफाइनलमे


काठमाडौ, अगहन २२ । नेपाल एसीसी ट्वान्टी-ट्वान्टी कप क्रिकेटके सेमिफाइनलमे आइ  प्रवेश केलक अछि । जितसँगै नेपाल सन् २०१२ के मार्चमे होबयबला ट्वान्टी-ट्वान्टी विश्वकप २०१२ के छनोटमे सहभागी होबय सकत ।

भाग्य आ साउदी अरेवियाके उत्कृष्ठ प्रदर्शन नेपालक अन्तिम ४ के यात्रामे महत्वपुर्ण रहल । किर्तिपुर मैदानमे भेल खेलमे साउदी अरेविया युनाइटेड अरव इमिरेट्स विरुद्ध उत्कृष्ट प्रदर्शन कएलाबाद नेपालक अन्तिम ४ के यात्रा संभव भेल अछि । कठिन मानल गेल समूह 'बी' मे  हङकङ आ नेपाल ४ खेलमेसँ तीन टा जितय सकितो हङ्कङ नेटरन रेटके आधारमे शीर्ष स्थानमे रहल अछि तऽ नेपाल दोसर स्थानमे अछि ।

आइ युएई साउदी अरवके ५३ रनसँ पराजित कऽ क हङकङ आ नेपालसँग समान ६ अंक जोडितो नेटरन रेटके आधारमे तेसर स्थानमे रहल । युएई साउदी अरवके ९७ रनसँ कममे समेटने रहैत तऽ नेपाल नेटरन रेटके आधारमे तेसर होइत प्रतियोगितासँ बाहर भऽ जाइत ।

मुदा, युएई देने १७९ रनक लक्ष्य पुरा करय लागल साउदी अरेविया उत्कृष्ठ प्रदर्शन करैत १९ ओभर २ बलमे अलआउट होइत १ सय १५ रन बनौलक । नेटरन रेटमे आगु रहय युएई साउदीविरुद्ध ६५ सँ ७५ रनक अन्तरसँ जितयके छल ।

साउदीके लेल हमाद साहिद महत्वपुर्ण ६३ रनक योगदान देलनि । आव हङकङ आ नेपाल अन्तिम ४ मे अछि । युएई, कुवेत आ साउदी अरेविया प्रतियोगितासँ बहराएल अछि । दोसर खेलमे ओमान माल्दिभ्स उपर ५४ रनसँ जितैत अन्तिम ४ के स्थान पक्का केने अछि ।

अहि जितके सँगै नेपाल सन् २०१२ के मार्चमे होबयबला ट्वान्टी-ट्वान्टी विश्वकप २०१२ के छनोटमे सहभागिता जनाबय पाओत । एसीयाली क्षेत्रक एसोसिएटस राष्ट्रमेसँ अफगानिस्तान बाहेक अन्य तिन राष्ट्र छनोट खेलय पाओत । आव फाइनल प्रवेशके लेल नेपाल समूह '' विजेता अफगानिस्तानके सामना करत । साप  च्याम्पियनसिप फुटबलमे सेहो फाइनल प्रवेशके लेल नेपाल बिरुद्ध अफगानिस्ताने अछि ।

समूह ए मे अफगानिस्तान पहिल आ ओमान दोसर स्थानमे रहल तऽ मलेसया, माल्दिभ्स आ भुटान प्रतियोगितासँ बाहर भऽ गेल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन