Thursday, December 08, 2011

जनकपुर बन्दक कार्यक्रम फिर्ता


२२ अगहन जनकपुरधाम । आन्दोलनरत बिद्यार्थी आ स्थानिय प्रशासन बिच आइ भेल वार्ताक बाद बिद्यार्थिसबद्धारा कएल गेल जनकपुर बन्दक कार्यक्रम फिर्ता लेलक अछि ।

जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे बिद्यार्थी आ प्रशासन बिच भेल सहमतिसँ आन्दोलनक कार्यक्रमसब फिर्ता लेल गेल जनाओलगेल अछि ।

वार्तामे सवारी चालकसब बिबशता पुर्वक पिचैत आएल ऐनके सँशोधन करय लेल सम्बन्धित निकायमे पहल करयके, घटनाक बिषयमे छानबिन समिति गठन कऽ १५ दिन भितर प्रतिवेदन सार्वजनिक कऽ दोषी उपर कारवाही करयके आ मृतक तथा घाइलके बिमा कम्पनीसँ क्षतिपुर्ति उपलब्ध कराबयके सहितक बिभिन्न माँगसब पर सहमति भेलाबाद आन्दोलनक कार्यक्रमसब फिर्ता लेल गेल आन्दोलनक बिद्यार्थी नेता ज्ञानेन्द्र झा जानकारी देलनि अछि ।

छानबिन समितिमे जिल्ला प्रशासन कार्यालयके हरि प्रसाद चन्द्रबँशी, प्रहरी निरिक्षक रमेश देब, नारायण चिमोरिया, स्वबियुके प्रतिनिधि , जानकी मेडिकलके प्रतिनिधि सहितक ९ सदस्यीय रहल नेता झा जानकारी देलनि ।

अहिबिच अखने किछकाल बाद स्थानिय प्रशासन आ बस ब्यबसायी बिच वार्ता होबय जा ऽ रहल बताओलगेल अछि । एम्हर बसमे आगि लगा कऽ क्षति पहुँचौने कहैत बस ब्यबसायी यातायात बन्दक कार्यक्रम यथावत रखने अछि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन