Thursday, December 08, 2011

बिद्यार्थी मृत्युके बिरोधमे आइ दोसर दिन सेहो जनकपुरक जनजिवन प्रभावित


२२ अगहन जनकपुरधाम । बसक ठोक्करसँ विद्यार्थीके मृत्यु भेल घटनाके विरोधमे आइ दोसर दिन सेहो विद्यार्थीसभ जनकपुर बजार बन्द करौने  अछि । आक्रोशित विद्यार्थीसभ आइ भिन्सरे सँ जनकपुरक विभिन्न चौकमे अलगे अलगे रुपमे समुह बनाऽ कऽ प्रदर्शन करके संगहि शिक्षण संस्था , कलकारखना , दोकान   बन्द करौने अछि ।

ट्राफिक चेकपोष्ट मुजेलियास्थित पुलिस चेकजाँच करावय लेल रोक्ने समय बस पाछुसँ ठोक्कर देलाबाद मेडिकलमे अध्ययनरत विद्यार्थी सर्वेशलाभ कर्णके घटनेस्थले पर मृत्यु होवयके संगहि दु गोटे विद्यार्थी घाइल भेल विरोधमे विद्यार्थीसब आन्दोलित भेल अछि ।

घटनाके विरोधमे मेडिकलके विद्यार्थीसभ आइ जनकपुरमे शान्ति जुलुस निकालैत नगरक परिक्रमा करैत बिभिन्न चौक सब पर टायर बारने छल । आन्दोलनरत विद्यार्थीसभ ६ सुत्रिय माग राखि कँ काल्हिये भिन्सर सँ प्रदर्शन कँ रहल अछि । विद्यार्थीसभ हत्याराके उन्मुक्ति देवयबला कानुनके खारेजी , रोकलगेल मोटरसाइकलमे ठोक्कर देवयबला चालकके कडा कारवाही , शान्तिपूर्ण जुलुस उपर पुलिसद्धारा काएलगेल लाठठीचार्ज तथा अश्रु ग्याँस प्रहार करयबला सुरक्षाकर्मी उपर कारवाही , कलेजके विद्यार्थीके बाहर निकालि कऽ मरयजकाँ पिटपाट करयवबला पुलिस उपर कारवाही तथा मृतक छात्र सर्वेशलाभ कर्णके परिवारके क्षतिपूर्ति एवम घाइल छात्रके इलाज सरकारके करयके माँग रखने अछि ।

अहिविच, सुरक्षाक माँग करैत जराओलगेल बसके क्षतिपूर्ति आ पुलिसके विरोधमे जनकपुर अंचल बस व्यवसायी संघ जनकपुर सेहो अनिश्चितकालिन यातायात बन्दक आह्वान केने अछि । जनकपुरक मुजेलियास्थित इलाका प्रहरी कार्यालयके आगुमे विद्यार्थीके ठोक्कर देवयबला ना २ ख ३४०७  आ ज १ ख ६०५ नम्बरक बसके विद्यार्थीसभ आगि लगबैत तोडफोड करितो पुलिस प्रशासन मौन बैसल बस व्यवसायीसभहक आरोप अछि ।

इलाका प्रहरी कार्यालयके आगु विद्यार्थीसभ बसमे आगि लगबितो सुरक्षा देवय नइ सकल आरोप लगवैत बस व्यवसायीसभ ११ सदस्यीय सदस्यीय संघर्ष समिती सेहो गठन केने अछि ।

तहिना बस व्यवसायीसभ जराओलगेल बसके क्षतिपूर्ति , पुलिसके नियन्त्रणमे गाडी जराओलगेलासँ प्रहरी उपरिक्षक हरिबहादुर पाल , जिल्ला प्रहरी कार्याल मुददा शाखाके प्रहरी निरिक्षक अभय जोशी , जिल्ला ट्रफिक कार्यालयके निरिक्षक नारायण चिमोरिया तथा मुजेलिया ईलाका प्रहरीके स.इ इन्चार्ज सुरेश ठाकुरके निलम्बन करके माँग करैत गृह मन्त्रालयमे पत्र सेहो पठौने जारी विज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

अपनासभके माँग पुरा नइ भेला पर जनकपुर अंचल भरि बस सेवा अनिश्चितकालधरि बन्द करयके आ बादमे  देशभरिके बससभ बन्द करयके निर्णय केने विज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।


अहिबिच अखन बिद्यार्थी आ स्थानिय प्रशासन बिच वार्ता होबय जाऽ रहल अछि आ अहि वार्ताक बाद प्रशासन आ बस ब्यबसायी सँघ बिच वार्ता हाएत बताओल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन