Wednesday, December 07, 2011

पूर्व सुरक्षाकर्मीसब पुलिसक नियन्त्रणमे


काठमाडौ, अगहन २१ । पुर्नवहालीके माँग करैत आन्दोलन करैत आएल पूर्व सुरक्षाकर्मीसब निषेधित क्षेत्रमे प्रदर्शन करय चाहलाबाद पुलिस बल प्रयोग केलक अछि । पुलिस २६ गोटे प्रदर्शनकारीके नियन्त्रणमे समेत लेलक अछि ।

द्वन्द्वकालमे विभिन्न कारणसँ नोकरी छोडने सुरक्षाकर्मीसब पुर्नवहालीके माँग रखैत आएल अछि ।  जिल्ला प्रशासन कार्यालय काठमाण्डौ आगुके क्षेत्रमे प्रदर्शनमे रहल पूर्व सुरक्षाकर्मीसब निषेधित क्षेत्रमे बढलाबाद पुलिस नियन्त्रणके लेल अश्रृ ग्याँस समेत प्रयोग केने छल । पुलिस आ प्रदर्शनकारी बीचक झडपसँ बबरमहल क्षेत्र प्रभावित भेल छल ।

महानगरिय प्रहरी परिसर हनुमान ढोकाके प्रहरी नायव उपरीक्षक धिरज प्रताप शाह बेर बेर कऽ २६ गोटेके गिरफ्तार कएलगेल जानकारी देलनि । ओ प्रदर्शनकारीसब निषेधित क्षेत्रमे प्रवेश करय चाहलाबाद सामान्य बल प्रयोग कएलगेल बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन