Wednesday, December 07, 2011

बिद्यार्थी मृत्युके बिरोधमे जनकपुर ठप्प


२१ अगहन जनकपुरधाम । जनकपुरक मुजेलियामे काल्हि बसक ठोक्कर सँ एक एम वि वि एसमे अध्ययनरत विद्यार्थीके मृत्यु भेलाक बाद आक्रोशित विद्यार्थीसभ आइ भिन्सरे सँ जनकपुरक सम्पूर्ण शिक्षण संस्था, बजार दोकानसभ बन्द करावयके संगहि जनकपुर नगरभितर प्रदर्शन कँ रहल अछि ।

विद्यार्थीसभ आइ भिन्सरे सँ जनकपुरक विभिन्न विद्यालयसहित क्याम्पससभमे जाँ कँ पठन पाठन बन्द करावयके संगहि बजार आ दोकानसभ सेहो बन्द करौने अछि । बन्द करावयके क्रममे विद्यार्थीसभ जिविस धनुषामे पार्किङ कँ राखल जिविसके २ टा जिप आ नगरपालिकाके एकटा जिपमे तोडफोड कैने अछि । तँ  मुरलीचौकस्थित एकटा कोचिङ सेन्टरमे सेहो तोडफोड कैने बताऔलगेल अछि ।

आन्दोलनरत विद्यार्थीसब ६ सूत्रीय मांग राखि आइ भिन्सरेसँ प्रदर्शन कऽ रहल अछि । विद्यार्थीसब हत्याराके उन्मुक्ति देबयके कानूनके खारेजी, रोकल मोटर साईकलके ठक्कर देबयबला चालकके शख्त कारवाही करयके, शान्तिपूर्ण जुलुस उपर लाठी चार्ज तथा अश्रु ग्यास प्रहार करयबला सुरक्षाकर्मी उपर कार्यवाही, कलेजक विद्यार्थीके बाहर निकालि कऽ बर्बरतापूर्वक पिटपाट करयबला पुलिस उपर कार्यवाही तथा मृतक छात्र सर्वेशलाल कर्णके परिवारके क्षतिपूर्ति एवं घाइल छात्रके इलाज सरकारके करयके मांग रखने अछि ।

एम्हर , यातायात व्यवसायीसभ सुरक्षाके माँग करैत आइ जनकपुर सँ जाएवाला छोट तथा लम्बा दुरीके सवारी साधनसभ बन्द केने अछि । घटनाके ल विद्यार्थीसभ बसमे आगजनी आ तोडफोड केने कहैत यातायात व्यवसायीसभ सवारीसाधन ठप्प केने अछि ।

जानकी मेडिकल कलेज महदैयामे एम वि वि.एस तेशर वर्षमे अध्ययनरत ३ गोटे  विद्यार्थीसभ ज २ प २३८५ नम्बरके मोटरसाइकलमे सवार रहल समयमे काल्हि ना २ ख ३४०७ नम्बरके बस मुजेलियामे ठोक्कर देने छल । बसक ठोक्कर सँ मेडिकल कलेजमे अध्ययनरत जनकपुर नगरपालिका वाड नम्बर ४ निवासि अन्दाजी २२ वर्षक सर्वेश लाभ कर्णके  घटनेस्थले पर मृत्यु भेल छल । घाईल भेल महोतरी जलेश्वर नगर पालिका ७ बजराहीके प्रवीण कुमार झा के थप इलाजक लेल धरान पठाओलगेल अछि त दोसर घाईल जनकपुर ७ के जीतेन्द्र कुमार सिंहके जनकपुर अंचल अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि ।

ट्राफिक पुलिस चेकजाँचके क्रममे ओ सभ सवार रहल मोटरसाइकलके रोक्ने समयमे बस पाछुसँ ठोक्कर देलाक बाद आक्रोशित विद्यार्थीसभ ठोक्कर दने बस आ दोसर एकटा आरो जनकपुर सँ औरही रामगोपालपुर  जाँ रहल ज १ ख ६०५ नम्बरके बसमे आगजनी केलाबाद विद्यार्थीसभ आ पुलिसविच काल्हि झडप सेहो भेल छल । झडपके क्रममे पुलिसक लाठीचार्ज सँ आधा दर्जन विद्यार्थीसभ घाइल सेहो भेल अछि ।

एम्हर जनकपुरमे कोनो किसिमक अप्रिय घटना होबय नहि देबय जिल्ला प्रशासन धनुषा ब्यापक सँख्यामे नेपाल पुलिस आ सशस्त्र पुलिसके परिचालन कएने अछि ।

अहिबिच , बसक ठोक्कर सँ मेडिकलमे अध्ययनरत विद्यार्थीके मृत्यु भेल घटना सँ अपनेसभ स्तब्ध भेल प्याब्सन जिल्ला कार्य समिती धनुषा एक विज्ञप्ति जारी कँ जनौलक अछि । बिज्ञप्तिमे मृतक विद्यार्थीप्रति सम्बेदना प्रकट करयके संगहि घटनाके लँ कँ आइ एक दिनके लेल प्याब्सन सँ आवद्ध सम्पूर्ण शिक्षणसंस्था बन्द करय लेल कहलगेल अछि । तँ घटनाके सही तथ्यरुपमे छानविन कँ दोषीके कारवाहीके लेल स्थानिय प्रशासनसंगे प्याब्सन जिल्ला कार्यसमितीके सचिव विश्वलाल कुशवाहा माग कैने छथि ।



No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन