Wednesday, December 07, 2011

कारागार घटनामे चितवनके प्रजिअ निलम्बित


चितवन, अगहन २१ । कारागार घटनाबाद गृहमन्त्रालय चितवनके निमित्त प्रमुख जिल्ला अधिकारी नन्दिकेशर त्रिपाठीके आइ निलम्बन केलक अछि । हुनका आइ गृहमन्त्रालयमे बजाओलगेल मौखिक आदेश आएल छल ।

अहिबीच गृहमन्त्रालय चितवनमे गणेशबहादुर कार्कीके प्रमुख जिल्ला अधिकारीके रुपमे लौलक अछि । गृहमन्त्रालयमे कार्यरत कार्की काल्हि साँझधरि चितवन आबि जेताह जिल्ला प्रशासन जनौलक अछि । अहिसँ आगु निलम्बनमे परल चितवनके एसपी खिनु प्रसाद आचार्यके बदलामे एसपी भुपाल कुमार भण्डरीके खटाओलगेल अछि । ओ मंगलके रातिए चितवन आएल छलथि ।

अहिसँ आगु चितवनके एसपी खिनु प्रसाद आचार्य, जेलर चुडामणि गौतम, कारागारके सई शिवराज क्षेत्री सहितक अन्य ४ सुरक्षाकर्मीके निलम्बन कऽ चुकल अछि ।

चितवनमे पछिला बेर विभिन्न आर्थिक अनियमिततामे फँसल एसपी आचार्यके बदली कराबय चितवनके शक्तिशाली समूह  लागि परल अवस्थामे कारागार घटनाक बाद हुनका गृहमन्त्रालय निलम्बन केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन