काठमाडौं, चैत २२ । एकीकृत नेकपा माओवादी संवैधानिक समिति गठन केने विवाद समाधान उपसमितिके संयोजकमे उपाध्यक्ष नारयाणकाजी श्रेष्ठके प्रस्ताव केलक अछि ।
सभामुख सुभासचन्द्र नेम्वाङ आ समितिक सभापति निलाम्बर आचार्य सहित प्रमुख तीन राजनीतिक दलक शीर्ष नेतासभहक आइ बैसल बैसारमे माओवादी प्रचण्डक स्थानमे प्रकाशके नाम रखने अछि । जवाफमे कांग्रेस आ एमाले माओवादीके प्रस्ताव अस्वीकार केलक अछि ।
संवैधानिक समिति उपसमितिके म्याद बैशाख १ गतेधरिके लेल थपला बाद प्रचण्ड उपसमितिमे बैसय अस्वीकार कएने छलथि । प्रचण्ड कार्यव्यस्तताके कारण देखबैत उपसमितिमे नहि रहब बतौने छलथि ।
बैसारमे संवैधानिक समितिक बैसारमे उत्पन्न अवरोधबारे सेहो बिमर्श भेल छल । ‘पछिला समय संवैधानिक समितिमे उत्पन्न अवरोध आ संरचना परिर्वतन सहित उपसमितिके केना कऽ क्रियाशिल कराबयके बिषयमे बिमर्श भेल छल’ बैसारक बाद माओवादी उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश कहलनि जे काल्हि फेउर बिमर्श कऽक निर्णय करबाक सहमति भेल अछि ।’
दलित, मुस्लिम सहितक सिमान्तकृत समुदायके अधिकार सुनिश्चित नहि भेल कहैत दलित जनजाति पार्टीक विश्वेन्द्र पासवान आ स्वतन्त्र सभासद् सदरुल मियाँ हक संवैधानिक समितिके बैसार अवरुद्ध करैत आएल छथि । १७ गतेके बैसारमे राज्य पुनःसंरचनासम्वन्धी समितिके प्रतिवेदन फारने पासवान १८ गतेके बैसारमे कुर्सी फेकने छलथि ।
बैसारमे एमाले अध्यक्ष एवम् प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल, माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल आ कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल सहितक सहभागी छलथि ।
No comments:
Post a Comment