Monday, November 07, 2011

राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बिना शान्ति आ संविधान अधुराः यादव


सप्तरी, कार्तिक २१ । मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव किछ दिन आगु मुख्य दलसबबीच भेल सातबुँदे सम्झौतासँ सेहो देशमे लम्बा शान्ति कायम होबय नहि सकत बतौलनि अछि ।

मधेसी जनअधिकार फोरम नेपाल सप्तरी आइ  राजविराजमे आयोजना केने पत्रकार सम्मेलनमे अध्यक्ष यादव सातबुँदे सहमतिमे माओवादी सेनाक सम्बन्धमे कएलगेल निर्णय अधुरा रहलासँ भविष्यमे सेहो द्वन्द्वके सम्भावना कायमे रहल बतौलनि ।

अध्यक्ष यादव कहलनि, ‘सातबुँदे सम्झौतामे सुरक्षा क्षेत्रके समावेशी बनाबयके आ समय सापेक्ष परिवर्तन करयके सवालके सेहो नजर अन्दाज कएलगेल अछि । ओइसँ द्वन्द्वके सम्भावनाके जीवित रखने अछि ।

ओ सम्झौता करयबला मुख्य दलक नेतासब इमान्दार नहि रहलासँ दलसबबीच पछिलाबेर भेल सम्झौता कार्यान्वयन होबयमे आशंका रहल बतौलनि ।

वर्तमान सरकार सेहो शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणके काम पूरा करय नहि सकत दाबी करैत यादव राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बिना शान्ति आ संविधानक काम पूरा होबय नहि सकत बतौलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन