Friday, November 04, 2011

पुलिसक हतियार छिनयबला तीन गोटे गिरफ्तार


जलेश्वर, कात्तिक १८  । नागेन्द्र कर्ण । महोत्तरी जिल्लाक बथनाहा गाउँ विकास समितिमे पुलिसके पिटपाटि कऽ हतियार छिनयबला तीन गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

गिरफ्तार होबयबलामे बथनाहा १ के ३५ वर्षक सुवोध कुमार झा आ वर्ष २० के डोमन ठाकुर आ वायह गाविस२ के १८ बर्षक विकास कुमार झा रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी जनौलक अछि ।

ओ गाउँमे आयोजना भेल झण्डा मेलामे चलिरहल जुवा, तास नियन्त्रण करय गेल समय जुवातास व्यापारी आ स्थानीयबासी बिच भेल झडपमे किछ युवासब पुलिससबके पिटपाट करैत हतियार समेत छिन लेने छल । स्थानीयबासीके पिटाइसँ जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक प्रहरी सहायक निरिक्षक रामबहादुर अधिकारी, मरुवाही चौकीके प्रहरी जवान अवधेश पाण्डे आ हलखोरी चौकीके जवान राकेश राय घाइल भेल छल । घाइल तिनु गोटेके इलाज पश्चात अखन आरामके लेल राखलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक प्रहरी नायव उपरिक्षक केदार खनाल जानकारी देलनि ।

जुवा, तास रोकय चाहलापर किछ व्यापारीके उक्साहटमे गाउँके किछ युवासब प्रहरी जवान पाण्डेके सँगमे रहल  थ्रि नट थ्री राइफल आ ओइमे लोड कएलगेल पाँच राउण्ड गोली सेहो छिन कऽ लगेल छल । वायह क्रममे ओ समुह पुलिस चढल बा १ झ ७८७८ नम्बरक गाडीके सिसा सेहो तोडफोड कऽ क्षतिग्रस्त बनौने छल । समूहमे आएलसबके बाँसके फट्टासँ पिटपाट केने पुलिस जनौलक अछि।

राति १ बजेदिस भेल ओ घटनाक बाद जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीसँ गेल थप गस्ती टोली सर्चके क्रममे ओ हतियार नेपाल भारत सिमा नजदिकके ओ गाउँके वाड नं. ६ मे रहल एकटा पुवारक टालमे नुका कऽ रखने अवस्थामे बरामद केने छल । सदरमुकाम जलेश्वरसँ करिब १५ किलोमिटर दक्षिण पश्चिममे रहल ओ गाउँमे हरेक वर्ष मेलाके अवसरमे एहन गतिविधी होइत अबैत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन