Tuesday, August 12, 2014

गुणस्तरहिन काम भऽरहल कहैत जनकपुर युथ डेवलपमेन्ट फोर्सक आपत्ती

धैर्य कान्त दत्त, जनकपुरधाम, साउन-२७ । गुणस्तरहिन काम भऽ रहल कहैत जनकपुर युथ डेवलपमेन्ट फोर्स सडक निर्माण कार्य बन्द करौलक अछि । जनकपुरक रामानन्द चोक- जानकी मंदिर सडक खण्डमे सडक कार्यालय करैत आएल पिच गुणस्तरहिन रहल कहैत फोर्सक युवासभ रबिदिन साँझेसँ निर्माण कार्य बन्द करौलक अछि ।
सडक पक्की करैत काल अपनाओल जाएबला मापदण्ड नहि अपनाओल गेलासँ निर्माण कार्य बन्द करौने फोर्सक संयोजक समिति सदस्य सरोज मिश्रक दावी छन्हि । मिश्र सडकमे रहल बालु उपर पक्की कऽरहल देखलाबाद अपनेसभ निर्माणक काज बन्द करय लगौने जानकारी देलन्हि ।
फोर्सक संयोजक समितिक दोसर सदस्य ज्ञानेन्द्र झा ज्ञानु गुणस्तरहिन तरिकासँ पक्की भऽ रहल विषयमे सडक कार्यालयके प्रमुख देवेन्द्र साहके जानकारी कराचुकल बतौलन्हि । प्रमुख साह निर्माण कार्यके अनुगमन करय प्राविधीकके एक टोली पठाओत बातक जानकारी झा देलन्हि ।

प्राविधीकसभ अनुगमन कएलाक बाद मात्रे निर्माण कार्य आगु बढाबऽके बात साह कहने फोर्स जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन