साउन २२ गते,
सिन्धुपाल्चोक, ब्रम्हानन्द ठाकुर । सिन्धुपाल्चोकके माँखा गाविसके जुरे भञ्ज्याङ स्थित सुनकोशी नदिमे भेल
घटनाके एक सप्ताह नहि बितैत फेउरसँ दोसर पहाड ढहयके खतरा बनल अछि ।
ई दोसर पहाड पहिने खसल ठामक माँखा गाविसके
५ नम्बर वडामे खसके सम्भावना रहल विज्ञसभ जनौलक अछि । ई पहाड ढहलाक बाद माँखा
गाविसके वाड नम्बर ४ के १८ टा घर पुर्णरुपसँ डुबिजेबाक खतरा बनल स्थानिय प्रमुख जिल्ला
अधिकारी गोपाल प्रसाद पराजुली जानकारी देलन्हि अछि ।
बितल शुक्रक राति पहाड ढहिकऽ सुनकोशी
नदिके पानिकऽ बहाब रुकलाक बाद ओत्तय भेल घटनामे बेपत्ता रहल कुल १२३ गोटेके मृत
मानिकऽ स्थानिय प्रशासन राहत प्रक्रिया आगु बढाचुकल अछि ।
घटनामे मृत्यु भेलसभहक परिवारके ४० हजार
रुपैया राहत स्वरुप देवाक निर्णय कएल गेल अछि तऽ घर दहागेलसभके प्रति घर ५ हजार आ
घाईलसभके ईलाजक पुर्जीके हिसाबसँ राहत वितरण कएल जा रहल स्थानिय डिएसपी भरत बहादुर
बोहराके उदैत करैत सिन्धुपाल्चोक सहकर्मी ब्रम्हानन्द ठाकुर जानकारी देलन्हि अछि । एम्हर उद्धोग बाणिज्य सँघ सिन्धुपाल्चोक राहत वितरणके लेल कुल ४८ लाख
रुपैया स्थानिय बासी ब्यापारी आ कार्यालयसभसँ सँकलन कएने अछि तऽ सहायक प्रमुख
जिल्ला अधिकारीके अध्यक्षतामे गठन भेल राहत वितरण टोली कुल ९१ लाख नगद सँकलन कएने
अछि ।
बान्ह जँका नदी घेराएलाबाद बनल तलाउके
पानिऽ बान्हके उपरसँ बहितो पुरा पानिकऽ निकास अखनोधरि होबऽ नहि सकल अछि । पुर्ण
रुपसँ पहिने जका होबयमे अखनो एक हप्ता लागत उद्धारमे सँलग्न सेनाके कहब अछि । ओना
बिच बिचमे सेना बम बिष्फोट क निकास देबाक प्रयासमे लागल बताओल गेल अछि । आइयो
नेपाली सेनासभ ओईठाम बिष्फोट कऽ नदी खुलाबऽके प्रयासके निरन्तरता देत जानकारीमे
आएल अछि । पहाड ढहिकऽ नदीमे बडका चटान खसलास बिष्फोटमे दिक्कत भऽरहल नेपाली सेनाक
कहब अछि । बान्ह करिब ५०० मिटर उँच रहलाक कारण ओईठाम तलाउ जेहन अवस्था रहल अछि आ
नदी खुलाबऽमे समय लागिरहल जनाओलगेल अछि । स्थानिय प्रशासन १२३ गोटेके बेपत्ता रहल
सुचिमे राखि तत्काल राहत बितरण कऽ रहल अछि । अखनधरि ओईठाम ३४ गोटेके शव भेटचुकल
अछि । अखन एक्साभेटर आ डोजरसभहक मदतसँ ढहल पहाडके हटाबके आ मृतकसभके खोजबाक काज
कएल जारहल अछि ।
उद्धार कार्यमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र
प्रहरी आ स्थानियबासी जुटल अछि ।
तहिना सुनकोशीके ताण्डबसँ अरनिको
राजमार्गके करिब डेढ किलोमिटर सडक दहागेलासँ कोदारी नाका बन्द भेल अछि । जाहि कारण
नेपाल चिनके तातोपानी नाका ठप्प भेल अछि । अहिके देखैत अरनिको राजमार्गके बैकल्पिक
बाट बना कऽ तातोपानी नाकाके चिनसँ जोडबाक प्रयास कएल जएबाक प्रयास भऽ रहल अछि । अहि
नाकासँ दैनिक करौडौ राजश्व उठैत आएल छल ।
सुनकोशी नदी घेराएलाबाद ७ टा जलबिद्धुत
आयोजनासँ होइत आएल ६७ मेगावाट बिद्धुत उत्पादन सेहो ठप्प भेल नेपाल विद्युत
प्राधिकरण जनौलक अछि । जाहि कारणसँ थप
डेढ घण्टा लोडसेडिङ बढ सकबाक प्राधिकरण जनौलक अछि । जिल्लाके ५५ गाविसमे विद्युत् आ
टेलिफोन लाइन बन्द भेल अछि तऽ काठमाडौँसँ खासाधरि ओछयाओल अप्टिकल फाइभरके लाइन सेहो
खराब भेल बताओलगेल अछि ।
No comments:
Post a Comment