Thursday, March 03, 2011

90 करोड़ लोगके अछि ख़तरा - बिज्ञान

इंटरनेट एक्सप्लोररमें एकटा भारी सुरक्षाके कमीके कारणस 90 करोड़ लोगके निजी जानकारी ख़तरामे रहल माइक्रोसॉफ़्ट जनौलक अछि ।

एक अत्यंत गंभीर श्रेणीके सुरक्षा चेतावनी जारी करैत माइक्रोसॉफ़्ट कहलक अछि जे अइ सुरक्षा कमीके कारणस विंडोज़के सभ ऑपरेटिंग सिस्टम्स ख़तरामे अछि ।

एहन सुरक्षा कमीके कारणस दुनिया भरिमे इंटरनेट प्रयोग क रहल ब्यक्तिके निजी गोपनीय जानकारी चोराएल जा सकैय आ ओकर कंप्यूटरके नियंत्रण सेहो ककरो हाथमें जा सकैय ।

अहिमे विंडोज़ XP, विंडोज़ विस्टा, विंडोज़ 7, विंडोज़ सर्वर 2003, आ विंडोज़ सर्वर 2008 सेहो अबैत अछि ।

माइक्रोसॉफ़्ट इहो बतौलक अछि जे दोसर वेब ब्राउज़र जेना फ़ायरफ़ॉक्स, गूगल कम आ सफ़ारी इ ख़तरा स सुरक्षित अछि ।

कंपनीके कहब अछि जे ओ अखनधरि अइ बग या सुरक्षा कमीके हटाबऽ नई सकल अछि मुदा ओ एकटा “फ़िक्स इट” सुरक्षा कवच जारी केलक अछि जे हैकिंगके कोशिशके रोकऽ सकत ।

सभ विंडोज़ प्रयोग करयबला, ख़ास क इंटरनेट एक्सप्लोररके प्रयोग करयबलास कंपनी स्थाई रूपस एकर तोड़ नहि खोजधरि ओ ओकर वेबसाइटस एहन सुरक्षा पैच या कवचके डाउनलोड कर अनुरोध केलक अछि ।

कंपनी अई सुरक्षा प गंभीर ख़तरा बतौलक अछि मुदा इहो कहलक अछि जे एखनधरि हैकर्स शायद अइ कमीके फ़ायदा नै उठाबय पौअने अछि ।

माइक्रोसॉफ़्टके एक प्रवक्ताके अनुसार अइ सुरक्षा कमीके कारणस इंटरनेट यूज़र्सके असली जेहन देखयमे आबयबला नकली वेबसाइट्स प पठाओल जा सकैय आ ओकर ईमेल आ पासवर्ड चोरी भ सकैय ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन