Thursday, March 03, 2011

गद्दाफी देलनि 'खूनी युद्ध' क चेतावनी


एजेन्सी, फागुन १९ । लीबियाई नेता मुअम्मर गद्दाफी देशके सत्ता छोडयस अस्विकार करैत चेतावनी देलनि जे जँ कोनो विदेशी हस्तक्षेप कएलगेल त अईके नतीजा 'खूनी युद्ध' के रूपमें निकलत । जाहिमे हजारों लीबियाई नागरिक मारल जाएत ।

गद्दाफी दु हफ्ता पहिने अपना बिरुध्दमे शुरू भेल विद्रोहके बाद पहिल बेर एकटा जनसभाके संबोधित करैत कहलनि जे हम अमेरिकाके हस्तक्षेप बर्दाश्त नहि करब । एकर नतिजा खूनी युद्धके रूपमें निकलत आ अमेरिका तथा नाटोके लीबियामें प्रवेश करय पऽ हजारों लीबियाई मारल जाएत । अहि संबोधनके सरकारी टेलीविजन पर सीधा प्रसारण करैत गद्दाफी दावा केलनि जे सत्ता विरोधी प्रदर्शन लीबियाके तेल संसाधन प कब्जा जमाबयके षड्यंत्रके लेल भ रहल अछि ।

एक घंटाधरि चलल सँबोधनमे गद्दाफी कहलनि जे ईश्वरके कृपास हम अंत तक अंतिम पुरुष आ अंतिम महिलाके जीवित रहय तक लड़ब । लीबियाके लाखों गोटे हमर समर्थनमे अछि आ ओ हमरा लेल मरयलेल तयार अछि।

अपन संबोधनमें गद्दाफी बेर बेर दावा केलनि जे हुनक 41 वर्ष पुरान शासनके बिरुध्द विद्रोह भड़काबयमे अलकायदाके हाथ अछि ।

गद्दाफी 41 साल पहिने सैन्य विद्रोह क सत्ता प कब्जा केने छल । ओ २ मार्च 1977 के अइके 'पीपुल्स पॉवर' घोषित केलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन