Wednesday, March 02, 2011

अमरीकी रक्षा मंत्री लीबिया पऽ कार्रवाई करय लेल असहमत


अमरीका , फागुन १८ । अमरीकाके रक्षा मंत्री रोबर्ट गेट्स लीबियाके बिरोधमे ‘उड़ान निषेधित क्षेत्र’ जेहन सैन्य कार्रवाही करबाक चेतावनी देलनि अछि ।

लीबियाके नेता कर्नल गद्दाफ़ी प आरोप छन्हि जे ओ प्रदर्शनकारी उपर वायु सेनाके प्रयोग केने छलथि जाहीलेल लीबियाके उड़ान निषेधित क्षेत्र घोषित करयके बात भरहल अछि ।

अमरीकी रक्षा मंत्रीके कहब छन्हि जे हालके संयुक्त राष्ट्रक प्रस्तावमें लीबियाके बिरुधमे सैन्य कार्रवाहीके अनुमति नहि देल गेल अछि ।

अहिस पहिने अमरीकी विदेश मंत्री हिलेरी क्लिंटन लीबियाके आसपासके क्षेत्रके ‘उड़ान निषेधित क्षेत्र’ घोषणा करयके बात कहने छलथि ।

मुदा अमरीकाके केंद्रीय कमानक मुखिया जनरल जेम्स मैटिस साफ़ शब्दमे कहलनि जे निषेधित क्षेत्र स्थापित करय लेल लीबियाके वायु सेनाके क्याम्पसबके ध्वस्त करय परत ।

ओम्हर फ्रांस आ इटली बतौलक अछि जे कोनो किसिमक सैन्य कार्रवाही संयुक्त राष्ट्रके प्रस्तावके बिना नहि करबाक चाही ।

चीन आ रूस सेहो एहन काजक विरोध केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन